आज्ञा खबर
बर्दिबास
नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सभापति गगन कुमार थापा पार्टीक नेता–कार्यकर्ताके नागरिकक समस्या आ दुःखमे प्रत्यक्ष रूपमे साथ दवऽ कऽ निर्देशने देलखिन। महोत्तरीक बर्दिबासमे बुधदिन आयोजित नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय नीति, अनुसन्धान तथा प्रशिक्षण प्रतिष्ठानद्वारा आयोजित मधेश प्रदेशस्तरीय प्रदेश तथा स्थानीय तह केन्द्रित परामर्श, कार्यशाला तथा भेलाके सम्बोधन करैत सभापति थापा कहलखिन जे कांग्रेस सत्तामे नै रहलो पर जनताक पक्षमे ठाढ़ होबऽबला प्रमुख राजनीतिक शक्ति अछि।
ओ अन्याय, विभेद आ नागरिक पर होबऽबला ज्यादतीक विषयमे पार्टी संरचना मौन नै बैसक चाही उल्लेख करैत सीमा क्षेत्रमे होबऽबला समस्या, सार्वजनिक तथा वन क्षेत्र अतिक्रमणजका विषयमे कांग्रेसके जनताक आवाज बनक चाही धारणा रखलखिन। नागरिक पर जबर्जस्ती व्यवहार कऽ कऽ, रातोरात डोजर चला कऽ आ विस्थापित कऽ कऽ समाधान खोजऽबला प्रवृत्तिसँ सामाजिक सम्मानमे चोट पहुँचैत अछि हुनकर कहब छल।
“नागरिकके दुःख पड़ला काल हम सभ हुनकर साथमे छी कि नै छी से बात महत्वपूर्ण अछि,” थापा कहलखिन, “गलत अभ्यास आ अन्याय क विरुद्ध कांग्रेस स्पष्ट रूपमे ठाढ़ होबक चाही।”
ओ कांग्रेस सहभागी रहल प्रदेश सरकार तथा स्थानीय तहक संरचनासँ सेहो जनमुखी आ उत्तरदायी ढंगसँ काज करक चाही कहैत जनविश्वास बढ़बैबला रूपमे नव शैलीसँ सेवा प्रवाह आवश्यक रहल बतैलखिन।






