आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाहीक हरिपुर्वा नगरपालिका–९ स्थित खिला गाउँ संगे बाँके–संग्रामपुर सडकखण्डमे बृहस्पति दिन भोरमे भेल सवारी दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालकक जान गेल अछि। यात्रुबाहक बसक ठक्करसँ गम्भीर घाइते भेल महोत्तरीक एक युवकक उपचारक क्रममे मृत्यु भेल प्रहरी जनौने अछि।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय मलंगवाक अनुसार भोर करिब साढे ८ बजे संग्रामपुरसँ बाँके दिस जा रहल ग.१ ख ९४६७ नम्बरक बस विपरित दिशासँ आबि रहल ना.४८ प ४७० नम्बरक मोटरसाइकलकेँ ठक्कर देने छल। दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालक गौशाला नगरपालिका–१२ कान्तिबजार निवासी ३६ वर्षीय श्याम ठाकुर गम्भीर घाइते भेल छलाह।
माथमे गम्भीर चोट लागल ठाकुरकेँ तत्काल उपचारक लेल प्रादेशिक अस्पताल मलंगवा लेल गेल मुदा चिकित्सक मृत घोषणा कएल प्रहरी जनौने अछि। स्थानीय स्तरमे ‘पप्पु’ नामसँ चिनल जाइबला ठाकुर भोगेन्द्र ठाकुरक बेटा छथि।
दुर्घटना पश्चात बस चालक फरार भेल छथि। प्रहरी बस धनी पर्सा गाउँपालिका–२ संग्रामपुर निवासी २७ वर्षीय मनिष कुमार महतोकेँ नियन्त्रणमे लेने अछि। दुर्घटनामे संलग्न बस आ मोटरसाइकलकेँ प्रहरी चौकी गौरीशंकरमे राखल गेल अछि तथा घटनाके बिषयमे थप अनुसन्धान आ कानुनी प्रक्रिया अगाडि बढ़ाओल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौने अछि।





































