आज्ञा खबर
वीरगञ्ज
छैठ पाबैनके अवसरमे व्रतीसभक सुविधाके लेल पूजा अवधिभैर विभिन्न उद्योगसँ कएल जाएबला विभिन्न चिज वस्तु/पदार्थ एवं कचड़ा विसर्जनकेँ पूर्ण रूपमे प्रतिबन्ध लगेबाक निर्णय कएल गेल अइछ । प्रमुख जिला अधिकारी भोला दाहालके अध्यक्षतामे शैनदिन भोर बैसल बैसारसँ बारा आ पर्सा जिलाके औद्योगिक करिडोर होइत बहएबला सिर्सिया नदीमे कएल जाएबला कचड़ा व्यवस्थापन सम्बन्धमे उद्योगसभ लग रहल ट्रिटमेन्ट पलान्टसँ साफ पाइन नदीमे छोड़ैत पाइनकेँ साफ आ स्वच्छ बनेबाक निर्णय कएल गेल ।
सिर्सिया नदीमे रसायनयुक्त पाइन प्रशोधन कएने बिना नदीमे मिलेबाक लेल पूर्ण प्रतिबन्ध लगेबाक आ औद्योगिक करिडोरक सब उद्योगके अपन उद्योगसँ निकलैबला रसायनयुक्त पाइन प्रशोधन कएने बिना नदीमे मिलेबाक लेल पूर्ण प्रतिबन्ध लगेबाक आ प्रत्येक उद्योगके अनिवार्य रूपमे अपन बहिर्गमन प्रशोधन केन्द्र २४ओ घण्टा पूर्ण रूपमे सञ्चालन करए पड़त से निर्णय कएल गेल अइछ ।
वीरगञ्ज महानगरपालिकाके प्रमुख राजेशमान सिंहके विशेष उपस्थितिमे भेल बैसारक निर्णयमे कहल गेल अइछ, “व्यक्तिगत रूपमे प्रशोधन केन्द्र राखै लेल असमर्थ छोट तथा मध्यम उद्योगक लेल उद्योग वाणिज्य सङ्घके अगुवाइ आ सरकारी अनुदानमे सझिया प्रशोधन केन्द्र निर्माण करबाक लेल जग्गा पहिचान आ सम्भाव्यता अध्ययन प्रतिवेदन तैयार कएल जाएत ।” बैसारसँ विगतमे सिर्सिया नदी सम्बन्धमे भेल निर्णय एवं काम कारवाहीबारे समीक्षा सेहो कएल गेल छल ।
तहिना, बैसारसँ सिर्सिया नदीके दीर्घकालीन पुनर्उत्थानक लेल सङ्घीय आ प्रदेश सरकारसँ प्राविधिक सहयोग लैत वीरगञ्ज महानगरपालिका आ आसपासक पालिकाक सहरके मुख्य ढल नदीमे मिलावट हुअसँ रोकबाक लेल तत्काल वैकल्पिक नाला निर्माण क ढल डाइभर्सन करबाक आ तीनू तहके बजेट साझेदारीमे ‘सिर्सिया नदी संरक्षण संयुक्त कोष’ स्थापना करबाक प्रक्रिया सेहो आगु बढ़ेबाक निर्णय कएल गेल अइछ । (रासस)





































