भूस्खलनमे एक गोटेके मृत्यु, तीन सओसँ बेसी घर डुबानमे

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम,

मधेश प्रदेशक विभिन्न जिलामे तीन सओसँ बेसी घर डुबान भेल अइछ, तँ भूस्खलनमे एक गोटेके मृत्यु भेल अइछ । जिला प्रहरी कार्यालयके प्रवक्ता ओम प्रकाश खनालके कहब अनुसार भूस्खलनमे दबा क मिथिला नगरपालिका–११ आपगाछीके ३५ वर्षीया कमला श्रेष्ठके मृत्यु भेल अइछ । अविरल वर्षाके कारण सप्तरी, धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा आ पर्सामे निजी घर तथा अन्य भौतिक संरचनामे क्षति भेल अइछ ।

सप्तरीके तिलाठी कोइलाड़ी गाउँपालिका आ हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका क्षेत्र तथा सीमावर्ती क्षेत्रक २ सओ ५० घर डुबान भेल अइछ । तहिना, सप्तरीके हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिकाके वाड नम्बर ७, ११ आ १२ क्षेत्रमे कोशी बाँधके दक्षिणदिसक २ सओ घरमे पाइन पैसल जानकारी प्रवक्ता खनाल देलैन ।   (रासस)

–––

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...