नेपाली क्रिकेट टोली सन् २०२७ मे इङ्ल्यान्डमे छ खेल खेलत

आज्ञा खबर

काठमाण्डू

नेपाली राष्ट्रिय पुरुष क्रिकेट टोली सन् २०२७ मे इङ्ल्यान्ड भ्रमण क स्कटल्यान्ड, बङ्गलादेश आ आयरल्यान्डसँ छ खेल खेलबाक तय भेल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) वृहस्पैतदिन काठमाण्डूमे पत्रकार सम्मेलन क भ्रमणके खेलतालिका सार्वजनिक केलक अइछ । भ्रमणके क्रममे नेपाल जुन १ मे स्कटल्यान्डसँ एकदिवसीय खेल खेलैत भ्रमणके सुरुआत करत । ओइके बाद जुन ३ मे इङ्ल्यान्डके ऐतिहासिक क्रिकेट मैदान लर्ड्समे बङ्गलादेशसँ टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय खेल खेलत । नेपाल जुन ६ मे आयरल्यान्डसँ एकदिवसीय तथा जुन ९, ११ आ १२ मे ओएह टोलीसँ तीन टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय खेल खेलबाक क्यान जनौलक अइछ ।

मेरिलेबोन क्रिकेट क्लब (एमसिसी)के सहकार्यमे हुअ लागल भ्रमणकेँ नेपाल आ एमसिसी बीच बितल सालमे विकसित होइत गेल घनिष्ठ सम्बन्धके उदाहरणक रूपमे लेल गेल अइछ । दूनु संस्था नेपालमे क्रिकेटक विकास, युवा खेलाड़ीकेँ अवसर प्रदान तथा अन्तर्राष्ट्रिय साझेदारी विस्तारक क्षेत्रमे सहकार्य करैत आएल अइछ । एमसिसी फाउन्डेसन सन् २०१९ सँ नेपालमे क्रिकेटमार्फत सकारात्मक सामाजिक परिवर्तन आनबाक उद्देश्यसँ विभिन्न परियोजना सञ्चालन करैत आएल अइछ । क्रिकेटमे सहभागिता आ नेतृत्व विकासकेँ प्राथमिकता दैत क्यानसँ सहकार्य करैत कोशी आ मधेश प्रदेशमे कार्यक्रम सञ्चालन भ रहल अइछ ।

एमसिसी अनुसार बितल साल उक्त परियोजनामे ४५ हजारसँ बेसी सहभागिता जनौने छल । एमसिसी बितल साल नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) सँ सहकार्य करैत ‘स्पिरिट अफ क्रिकेट अवार्ड’ सेहो सुरु कएने छल । पत्रकार सम्मेलनमे एमसिसीके प्रमुख कार्यकारी तथा सचिव रोबर्ट लसन नेपाल आ क्यानसँ सम्बन्ध बितल समय उल्लेखनीय रूपमे मजबुत भेल बतौलैन । नेपालमे क्रिकेटप्रतिके असाधारण लगाव हमसभ प्रत्यक्ष अनुभव कएने उल्लेख करैत खेलसँ लोकसभकेँ एकताबद्ध बनेबाक लेल महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करबाक ओ बतौलैन । क्यानके सचिव पारस खड्का लड्र्समे फेरसँ खेलबाक अवसर भेटनाइ नेपाली क्रिकेटक लेल गर्व आ सम्मानके विषय भेल बतौलैन ।

एमसिसीसँ निरन्तर साझेदारी नेपालक क्रिकेट विकासमे महत्त्वपूर्ण योगदान पहुँचौने उल्लेख करैत ओ बङ्गलादेश क्रिकेट बोर्ड, क्रिकेट आयरल्यान्ड, क्रिकेट स्कटल्यान्ड आ इङ्ल्यान्ड तथा वेल्स क्रिकेट बोर्ड (इसिबी)केँ सहयोगक लेल धन्यवाद देलैन । क्यानके अध्यक्ष चतुर बहादुर चन्द बङ्गलादेश जेहन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद (आइसिसी)के पूर्ण सदस्य राष्ट्रसँ लड्र्समे खेलबाक अवसर भेटनाइ नेपाली क्रिकेटक लेल ऐतिहासिक उपलब्धी होबाक बतौलैन । अइ अवसरके लेल एमसिसी, इसिबी, बिसीबी, क्रिकेट स्कटल्यान्ड आ क्रिकेट आयरल्यान्डप्रति ओ आभार व्यक्त केलैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...