आज्ञा खबर
काभ्रेपलाञ्चोक,
रोशी गाउँपालिका–९ पिन्थलीमे भुस्खलन खसलासँ बिपी राजमार्ग अवरुद्ध भेल अइछ ।जिला प्रहरी कार्यालय रोशी गाउँपालिका–८ गिम्दीबेँसीमे सेहो भुस्खलन खसलासँ उक्त राजमार्ग पूर्ण रूपमे अवरुद्ध भेल बताएल गेल अइछ । वर्षा जारी रहलासँ तत्काल रस्ता खोलब सहज नै होबाक उक्त कार्यालयक सूचना अधिकारी रविन विष्ट राससकेँ बतौलैन । राजमार्गके अवस्था देख क मात्रे यात्रा करबाक लेल ओ सर्वसाधारणमे आग्रह केलैन अइछ । रासस)





































