आज्ञा खबर
सर्लाही
मोटरसाइकलके ठोकरसँ सर्लाहीके गम्हरियामे एक गोटे पैदल यात्रीके मृत्यु भेल अइछ, तँ दोसर साइकल यात्री घायल भेल अइछ । जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायब उपरीक्षक वेद प्रसाद गौतमके कहब अनुसार बितल राइत मलङ्गदिन नगरपालिका–११ गम्हरियामे मोटरसाइकलके ठोकरसँ ७० वर्षक वाल्मीकि रायके मृत्यु भेल अइछ ।
ओएह मोटरसाइकलके ठोकरसँ साइकलचालक मलङ्गवा नगरपालिका–४ के ५९ वर्षक महेश महतो घायल भेल अइछ । महतोके प्रादेशिक अस्पतालमे इलाज भ रहल छैन । दुर्घटनामे संलग्न मोटरसाइकल आ मोटरसाइकल चालक कविलासी नगरपालिका–६ के रामलोचन रायकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ । (रासस)
