आज्ञा खबर
सप्तरी,
लगातारके वर्षाके कारण जिलाके हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका तिलाठी कोइलाड़ी गाउँपालिकामे आएल बाइढ़के कारण ५ सओ घर डुबान भेलाक बाद दू हजारसँ बेसी परिवार प्रभावित भेल अइछ ।
हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका–५, ७, १२, १३ के बस्तीमे बाइढ़ पसलासँ ४ सओ ८३ आ तिलाठी कोइलाड़ी गाउँपालिका–४ आ ५ बाइढ़ पैसलासँ १७ घर डुबान भेलाक बाद करिब दू हजार परिवार प्रभावित भेल अइछ । शुक्रदिन राइत सप्तकोशी नदीमे पाइनक सतह बढ़लाक बाद बस्तीमे पाइन पैसल हनुमान नगर कङ्कालिनी नगरपालिकाके प्रमुख वीरेन्द्र माझी बतौलैन ।
ओ कहलैन, “बाइढ़सँ प्रभावित परिवारक लेल तत्काल भोर आ साँझक खानाके व्यवस्था कएलाक बादो पीड़ित पहिचान क थप राहत सामग्री उपलब्ध कराएल जाएत (रासस)
