आज्ञा खबर
वीरगञ्ज
प्रहरी कातिक महिनामे ७० लाख ७० हजार टका बराबरके भंसार छलीके सामान बरामद केलक अइछ । भंसार छली तथा राजस्व चुहावट नियन्त्रणके क्रममे उक्त सामान बरामद कएल गेल अइछ । तहिना, प्राकृतिक स्रोतके अवैध दोहन नियन्त्रणक क्रममे बालु, पाथर तथा गिट्टी ओसारपसारमे प्रयोग भेल १० टा ट्याक्टर नियन्त्रणमे ल ५० हजार जरिवाना कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालय पर्साके प्रहरी नायब उपरीक्षक चक्र बहादुर मल्ल जानकारी देलैन । अवैध मदिरा नियन्त्रण अभियानअन्तर्गत छ हजार २ सओ ६३ लिटर तैयारी मदिरा आ छ हजार ३ सओ ८० लिटर कच्चा पदार्थ बरामद करबाक सङे ओएह क्रममे ११ गोटे गिरफ्तार भेल अइछ । अवैध वन पैदावार नियन्त्रणदिस १० टा सवारीसाधन नियन्त्रणमे ल ३९ क्युबिक काठ बरामद कएल गेल अइछ ।
अइसँ एक लाख ९५ हजार राजस्व तथा जरिवाना प्राप्त भेल प्रहरीके तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ । कातिक महिनामे पर्सा जिलामे ३७ सवारीसाधन दुर्घटना भेल छल । ओइ क्रममे दुर्घटनामे दू गोटेके मृत्यु भेल छल, तँ २८ गोटे घायल भेल छल । तहिना, ट्राफिक नियम उल्लङ्घन करैबला ९ सओ ४१ सवारीसाधनक चालककेँ कारबाही क १० लाख ८७ हजार राजस्व सङ्कलन कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक मल्ल जानकारी देलैन । (रासस)
