भुस्खलनसँ बिपी राजमार्ग अवरुद्ध

 

 आज्ञा खबर

काभ्रेपलाञ्चोक

भारी वर्षाक कारण भुस्खलन भेलासँ बिपी राजमार्ग अवरुद्ध भेल अइछ । आइ भोर ४ः३० बजे बिपी राजमार्गअन्तर्गत रोशी गाउँपालिका–७ स्थित चारसयबेँसी आ रोशी–८ गिम्दीमे भुस्खलन खसलासँ सड़क अवरुद्ध भेल जिला प्रहरी कार्यालय जनौलक अइछ । एहि बीच, जल तथा मौसम विभागके प्रक्षेपणकेँ मध्यनजर करैत वृहस्पैतदिनसँ राइतमे बिपी राजमार्गअन्तर्गत काभ्रेपलाञ्चोक सड़कखण्डकेँ बन्द कराएल गेल अइछ । जिला प्रशासन कार्यालय बाइढ़ तथा भुस्खलनके अवस्था अनुसार दुपहरमे सेहो बन्द भ सकबाक जनौलक अइछ ।

कार्यालयक बैसारके निर्णयअनुसार बिपी राजमार्गके काभ्रेपलाञ्चोक खण्डमे आसिन ८ गतेसँ १२ गते भोरधैर साँझ ५ः०० बजेसँ भोर ५ः०० बजेधैर सवारी आवागमनमे रोक लगाएल जाएत से प्रमुख जिला अधिकारी गोपाल कुमार अधिकारी बतौलैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...