खयरमारा मे सुधारल गोठ निर्माण सुरु, २१ महिला किसान लाभान्वित

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

बर्दिवास

महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिका–११ खयरमारा मे सुधारल गोठ निर्माण कार्य सुरु कएल गेल अछि। ग्रामीण महिला किसानक जीविकोपार्जन सुधार तथा कृषि उत्पादन वृद्धि करबाक उद्देश्य सँ ई कार्यक्रम सञ्चालन कएल गेल अछि।

बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक पहल आ निरन्तर प्रयास मे संघीय सरकारक गाई–भैँस पालन स्रोत केन्द्र अन्तर्गत रु ५ लाख ५० हजार बराबरक अनुदान सहयोग मे कार्यक्रम सञ्चालन कएल गेल जनाओल गेल अछि।

कार्यक्रम अन्तर्गत सरस्वती महिला कृषक समूह मे आबद्ध २१ गोटे महिला किसानक लेल प्रत्येकक दुई टा पशु बैस सकय वाला क्षमताक सुधारल गोठ निर्माण कएल जाएत।

बर्दिवास नगरपालिका पशु विकास शाखाक पशु अधिकृत मोहन खड्काक अनुसार कार्यक्रम मे पशुक जीवन बीमा, दबाई उपचार, खोप तथा पशुपालन सम्बन्धी एक दिनक तालिमक सेहो व्यवस्था कएल गेल अछि।

सुधारल गोठ निर्माण कार्यक अनुगमन करैत नगर प्रमुख क्षेत्री कहलनि जे महिला सशक्तीकरण, कृषि उत्पादकत्व वृद्धि तथा परमानेन्टली जीविकोपार्जन व्यवस्थापन मार्फत कृषकक जीवनस्तर सुधार करबाक लक्ष्य सहित कार्यक्रम सञ्चालन कएल गेल अछि।

ओ कहलनि जे गोठ सुधार कार्यक्रम मार्फत ग्रामीण बिपन्न महिला कृषक केँ आत्मनिर्भर बनाबैत अर्गानिक कृषि उत्पादन प्रवर्द्धन करय मे मद्दत पहुँचतय। “खयरमारा मे परमानेन्टली गोठ सुधारक माध्यम सँ कृषि उत्पादन वृद्धि कऽ कृषकक जीवनस्तर सुधार करैत आत्मनिर्भरताक दिशामे आगा बढाबय के हमर लक्ष्य अछि,” नगरप्रमुख क्षेत्री कहलनि।

कार्यक्रम अन्तर्गत पक्की ढलान सहित गाई–भैँसक लेल घास आ पुवार खाय वाला स्थान, मुत्र संकलन प्रणाली लगायत कऽ सुविधा सहित गोठ निर्माण भऽ रहल अछि।

गोठ सुधार कार्यक्रम सँ कम्पोष्ट मल उत्पादन मे सेहो टेवा पहुँचतय तथा अर्गानिक खेती प्रवर्द्धन मे सकारात्मक योगदान पहुँचबाक अपेक्षा कएल गेल अछि।

परमानेन्टली गोठ सुधार अनुगमन कार्यक्रम मे नगरपालिकाक उप प्रमुख तारादेबी महतो, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी, पशु विकास शाखा अधिकृत मोहन खड्का, कृषि विकास शाखा अधिकृत साजन दहाल लगायत कऽ उपस्थिति रहल छल।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...