बर्दिवासमे घरसंसार डिपार्टमेन्ट स्टोर’क दोसर सेवा विस्तार

[sharethis-inline-buttons]

उपभोक्ताकेँ एकै गो छतकेनिच्चा गुणस्तरीय सामग्री उपलब्ध गराबयक लक्ष्य

आज्ञा खबर

बर्दिवास

 

महोत्तरीक बर्दिवास बजार क्षेत्रमे लम्बा समयसँ उपभोक्ताक विश्वास जितैत आएल ‘घरसंसार डिपार्टमेन्ट स्टोर’ अपन सेवा विस्तार करैत दोसर शाखा सञ्चालनमे आनल अछि। शुक्रदिन एक विशेष कार्यक्रमक बीच बर्दिवास–१४ स्थित मुख्य बजार क्षेत्रमे सञ्चालनमे आनल गेल नव स्टोरक उद्घाटन बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री एक विशेष समारोहक बीच कयने छथि।

करिब डेढ दशकसँ दैनिक उपभोग्य सामग्री, खाद्यान्न, कस्मेटिक पेयपदार्थ, विवाह, ब्रतबन्ध, बर्थ डे, उत्सव, महोत्सव के सामग्री बिक्री करैत आएल घरसंसार डिपार्टमेन्ट स्टोर बढैत उपभोक्ता माग आ बजार विस्तारकेँ ध्यानमे राखैत अपन दोसर सेवा सुरु कयने अछि। बर्दिवासक व्यस्त बजार क्षेत्रमे करोडौँ रुपैयाँक लगानीमे सञ्चालनमे आनल गेल ई स्टोरकेँ आधुनिक सुविधा सम्पन्न किनमेल केन्द्रक रूपमे विकास कएल गेल सञ्चालक पक्ष जनाबने अछि।

उद्घाटन कार्यक्रममे बजैत नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री बर्दिवासक व्यापारिक विकाससंगै आधुनिक बजार संस्कृतिक विस्तार भ’ रहल उल्लेख कयनी। ओ स्थानीय स्तरमे एहन व्यवस्थित गुणस्तरीय व्यापारिक संस्थाक स्थापना होएब नगरक आर्थिक गतिविधक लेल सकारात्मक पक्ष रहल बतौलनी। “स्थानीय लगानी, स्थानीय रोजगारी आ स्थानीय बजार प्रवर्द्धनमे एहन व्यवसाय सब महत्वपूर्ण योगदान पुर्‍याबैत अछि,” ओ कहलनी।

नगरप्रमुख क्षेत्री गुणस्तरीय सेवा आ उपभोक्तामैत्री व्यवहार हि व्यवसायक दीर्घकालीन सफलताक आधार होयत उल्लेख करैत घरसंसार डिपार्टमेन्ट स्टोर विगतसँ कायम कयने विश्वासकेँ आर मजबुत बनेबाक धारणा राखलनी। ओ स्थानीय उपभोक्ताकेँ सहज, सुलभ आ गुणस्तरीय सेवा उपलब्ध गराबयक कार्यमे नगरपालिका निजी क्षेत्रसंग सहकार्य करैत जयबाक सेहो बतौलनी।

नव शाखामे खाद्यान्न, दाईल, चामल, तेल, मसला, पेयपदार्थ, दुग्धजन्य सामग्री, स्न्याक्स, कस्मेटिक, घरायसी सामग्री तथा दैनिक उपभोगक अन्य सामग्री एकै स्थानसँ खरिद क’ सकबक व्यवस्था मिलाओल गेल अछि। ई डिपाटमेन्ट स्टोर उपभोक्ताकेँ सुपथ मूल्यमे गुणस्तरीय सामग्री उपलब्ध गराबयक उद्देश्यसँ सेवा विस्तार कएल गेल सञ्चालक परिवार जन उने अछि।

स्टोरभितर ग्राहकक सुविधाकेँ मध्यनजर करैत व्यवस्थित डिस्प्ले, आधुनिक बिलिङ प्रणाली, सहज पार्किङ तथा परिवारमैत्री किनमेल वातावरण तयार कएल गेल अछि। पछिल्ला समय छोट शहर सबमे सेहो व्यवस्थित डिपार्टमेन्ट स्टोरप्रतिक आकर्षण बढैत गेल अवस्थामे घरसंसार डिपार्टमेन्ट स्टोर बर्दिवासक बजारकेँ नव व्यापारिक पहिचान देबक आशा कएल गेल अछि।

स्थानीय उपभोक्ता सब सेहो एकै स्थानसँ आवश्यक सामग्री खरिद क’ पाबयकाल समय आ खर्च दुनू बचत होयत बतौने छथि। विशेषकय महिला, कर्मचारी तथा व्यस्त जीवनशैली भेल परिवारक लेल एहन डिपार्टमेन्ट स्टोर उपयोगी बनि रहल ओसभक कहब अछि।

व्यवसाय विस्तारसंगै स्थानीय युवाकेँ रोजगारीक अवसर सेहो सिर्जना भेल सञ्चालक पक्ष जनाबने अछि। स्टोर सञ्चालनक लेल विभिन्न क्षेत्रमे कर्मचारी व्यवस्थापन कएल गेल आ आगाक दिनमे सेवा और विस्तार करबक योजना रहल ओसभ बतौने छथि।

बर्दिवास पछिल्ला समय व्यापारिक केन्द्रक रूपमे विकसित होइत जा रहल अछि। पूर्व–पश्चिम राजमार्गसंग जुड़ल महत्वपूर्ण उद्देश्य पूरा करयमे सहयोग करयबला स्थानक रुपमे चिर परिचित बर्दिवास बढैत जनघनत्व तथा ग्रामीण क्षेत्रसंगक बजार पहुँचक कारण एतय व्यापार व्यवसायमे लगानी बढैत क्रममे अछि। एहि परिवेशमे घरसंसार डिपार्टमेन्ट स्टोरक दोसर सेवा विस्तारकेँ स्थानीय व्यापारिक क्षेत्रमे सकारात्मक संकेतका रूपमे देखल गेल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...