आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाहीक हरिवन नगरपालिका–१ स्थित चुरे क्षेत्रक बिलन्दी डाँडामे शुक्रदिन शुबह भेल आगलागी सँ एक परिवार बिस्थापित भ’ गेल अछि। शुबहक नियमित दैनिकी चलि रहल समयमे अचानक सुरु भेल आगि किछुए मिनेटमे काठ सँ बनल दु तल्लाक घर पूर्ण रूप सँ जरि क’ नष्ट भ’ गेल।
स्थानीय दिवश बम्जनक घरमे भेल ओहि आगलागी सँ घरभितर रहल लत्ताकपडा, अन्न, भाँडा बर्तन, फर्निचर, गरगहना लगायत दैनिक जीवनयापनक सम्पूर्ण सामग्री जयरक राख भ’ गेल प्रहरी जनौने अछि। शुबह करिब सवा ९ धैर भन्सा कोठ लीमे जडान कएल गेल खाना पकाबै वाला ग्यास सिलिन्डर लिक भेला सँ आगि सुनगकेआग लागल प्रारम्भिक अनुसन्धान सँ खुजल ईलाका प्रहरी कार्यालय हरिवन जनौने अछि।
चुरे क्षेत्रक पहाड उपर काठ सँ बनल घर भेला कारण आगि तीव्र गतिमे फैलल स्थानीय सब बतौने छथि। शुबहक शान्त वातावरण मे एकाएक धुँआ आ आगिक लप्का सँ भरि गेला उत्तर आसपासक बासिन्दा त्रसित बनल छलाह। स्थानीय सब घर सँ सामग्री निकालय के प्रयासमे जुटल मुदा आगिक तीव्रताक कारण बेसी सामान बचाब’ नै सकलाह।
घटनाक खबर प्राप्त भेना साथ दमकल सहित नेपाल प्रहरी, नेपाली सेना आ सशस्त्र प्रहरी बलक संयुक्त टोली घटनास्थल पहुँचल छल। सुरक्षाकर्मी तथा स्थानीयवासीक सक्रिय प्रयासक बाद आगि पूर्ण रूप सँ नियन्त्रणमे लेल गेल प्रहरी जनौने अछि। यद्यपि आगलागी सँ भेल क्षतिक पूर्ण विवरण एखन धरि संकलन भ’ रहल अछि।
ग्रामीण तथा चुरे क्षेत्रक बस्ती सभमे अधिकांश घर काठ तथा प्रज्वलनशील सामग्री सँ बनल भेला कारण सामान्य लापरवाही सँ सेहो पैघ क्षति होबय के जोखिम रहैत अछि स्थानीय जानकार सब बतबैत छथि। विशेष क’ खाना पकाबै वाला ग्याँसक प्रयोगमे सावधानी नै अपनायब काल एहन दुर्घटना दोहोरैत देखल जाइत अछि।
आगलागीक बाद स्थानीय बासिन्दा सब ग्रामीण क्षेत्रमे अग्नि सुरक्षा सम्बन्धी जनचेतना अभिवृद्धि करय के आवश्यकता औंल्याउने छथि। ग्यास सिलिन्डर तथा चुल्हिक नियमित परीक्षण, सुरक्षित प्रयोग आ आपत्कालीन अवस्थामे अपनाबय वाला उपायबारे जानकारीक अभाव भेला सँ एहन घटना बढि रहल हुनकर सभक कहब अछि।
घटना सँ दिवश बम्जनक परिवारके पैघ आर्थिक तथा मानसिक क्षति पहुँचल छै। घरै जरि क’ नष्ट भेला बाद परिवार एखन अस्थायी आश्रयक खोजीमे रहल स्थानीय स्रोत जनौने अछि। स्थानीय तह तथा सम्बन्धित निकाय सँ राहत आ पुनःस्थापनाक अपेक्षा कएल गेल अछि।





































