आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिका शिक्षा सँ दूर रहल विपन्न तथा असहाय बालबालिकाके विद्यालयक पहुँचमे आनवाक उद्देश्यसहित महत्वपूर्ण सामाजिक पहल सुरु कएने अछि। नगरपालिका बर्दिवास–१ स्थित देउराली माध्यमिक विद्यालयमे नि:शुल्क छात्रावास सञ्चालनमे आनने अछि।
सोमदिन आयोजित विशेष कार्यक्रममे नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री छात्रावासक उद्घाटन करैत ई कार्यक्रम खाली भवन सञ्चालन मात्र नभ क शिक्षा सँ वञ्चित बालबालिकाक भविष्य निर्माण सँ जुड़ल मानवीय अभियान भेल बतौलनि।

ओ आर्थिक अभाव, अभिभावकक कमी, सामाजिक परिस्थिति आ आन कारणे विद्यालयक पहुँच सँ बाहर रहल बालबालिकाके शिक्षाक मूलधारमे आनब स्थानीय सरकारक दायित्व भेल उल्लेख कएलनि। “नगरभितर कोनो भी बालबालिका मात्र गरीबी वा आन परिस्थितिक कारण कोनो भी बालबालिका शिक्षा सँ वञ्चित नै होबक चाही,” ओ कहलनि, “तहिना बालबालिकाक खोजी कऽ कऽ हुनका सभके नि:शुल्क शिक्षा आ सुरक्षित आवासक व्यवस्था करबाक उद्देश्य सँ छात्रावास सञ्चालन कएल गेल अछि।”
नगरप्रमुख क्षेत्रीक अनुसार छात्रावास सञ्चालनक सम्पूर्ण खर्च नगरपालिका अपनहि आर्थिक स्रोत सँ व्यवस्थापन करत। ओ शिक्षा समाज रूपान्तरणक प्रमुख आधार भेल अछि तइँ बर्दिवास नगरपालिका शैक्षिक क्षेत्रके उच्च प्राथमिकतामे राखि कऽ काज कऽ रहल बतौलनि।
ओ छात्रावास विशेष कऽ विपन्न, असहाय तथा अभिभावकविहीन बालबालिकाक जीवनमे सकारात्मक परिवर्तन आनत एहन विश्वास व्यक्त कएलनि। “शिक्षा पाबयवला अवसर सँ कोइयो बालबालिका वञ्चित नै होओ हमर प्रयास अछि,” ओ थप कएलनि।

कार्यक्रममे बजैत नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी बर्दिवास नगरपालिका शैक्षिक क्षेत्रक विकासके प्राथमिकतामे राखि कऽ विभिन्न योजनासभ सञ्चालन कऽ रहल जानकारी देलनि।
ओ सामुदायिक विद्यालयसभक भौतिक पूर्वाधार सुधारक संगे शिक्षाक गुणस्तर अभिवृद्धिमे सेहो नगरपालिका केन्द्रित रहल बतौलनि। विद्यार्थीक क्षमता विकास, मूल्याङ्कन प्रणालीमे सुधार, डिजिटल प्रविधिक प्रयोग तथा अतिरिक्त क्रियाकलापके जोड़ दऽ कऽ सामुदायिक विद्यालयके प्रतिस्पर्धी आ प्रभावकारी बनाबय लेल प्रयास भऽ रहल हुनकर कहब छल।
तहिना कार्यक्रममे नेपाल होटल तथा पर्यटन व्यवसायी महासंघ मधेश प्रदेशक अध्यक्ष हिरालाल गौतम देउराली माध्यमिक विद्यालयक शैक्षिक गुणस्तर सुधारमे अपन सभ पहिने सँ सहयोग करैत आबि रहल बतौलनि। ओ आगामी दिनमे सेहो विद्यालय सञ्चालन करयवला सामाजिक तथा शैक्षिक गतिविधिमे निरन्तर साथ देबक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि।
विद्यालयक प्रधानाध्यापक कुमार धिमिरे छात्रावासमार्फत विद्यालय बाहर रहल बालबालिकाके शिक्षाक पहुँचमे आनबाक अभियानके प्रभावकारी रूपमे आगा बढ़ाओल जाएत बतौलनि।
हुनकर अनुसार छात्रावासमे विपन्न तथा असहाय बालबालिकाक लेल नि:शुल्क खायब, बसब आ अध्ययन करबाक व्यवस्था कएल गेल अछि। “शिक्षा सँ दूर रहल बालबालिकाके विद्यालय सँ जोड़ब हमर लक्ष्य अछि,” ओ कहलनि, “ई मात्र छात्रावास नै अछि, हुनका सभक भविष्य निर्माण करयवला आधार अछि।”
कार्यक्रममे शिक्षाक्षेत्रमे लम्बा समय योगदान दऽ कऽ सेवा निवृत्त भेल बर्दिवास नगरपालिका शिक्षा शाखाक उपसचिव गणेश दहालके खादा, अबिर तथा प्रशंसापत्रसहित सम्मान कएल गेल छल।

स्थानीय सरकारद्वारा सञ्चालनमे आनल गेल ई छात्रावासके बर्दिवासक शैक्षिक तथा सामाजिक क्षेत्रमे नव आशाक रूपमे देखल गेल अछि। अखन धरि आर्थिक अभाव, पारिवारिक समस्या आ सामाजिक कारणे विद्यालय जाए नै सकल बालबालिकाक लेल ई पहल अवसरक नव दुआर बनि सकैत अछि विश्वास कएल गेल अछि।
