जलवायु परिवर्तनके विषयकेँ अन्तर्राष्ट्रीय मञ्चमे प्रभावकारी उठाबए पड़त: संयोेजक दाहाल

 आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

नेपाली कम्युनिस्ट पार्टीके संयोजक तथा पूर्वप्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ जलवायु परिवर्तनके विषयकेँ अन्तर्राष्ट्रीय मञ्चमे प्रभावकारी ढङ्गसँ उठाबए पड़बाक बताैलैन अइछ । पार्टीके कार्यक्रममे सहभागी होबाक लेल जनकपुरधाम आएल संयोजक दाहाल रासससँ बात करैत जलवायु परिवर्तनके कारण हिमाल पघैल रहल विषय वातावरणीय मात्र नै मानव सभ्यता आ अस्तित्वसँ प्रत्यक्ष जुड़ल विषय छै तँए एकरा अन्तर्राष्ट्रीय मञ्चमे प्रभावकारी ढङ्गसँ उठाबए पड़बाक बतौलैन ।

“अइ विषयमे हम दोसर आ तेसर बेर प्रधानमन्त्री भेल समय अन्तर्राष्ट्रीय मञ्चमे प्रभावकारी ढङ्गसँ उठेलौँ”, संयोजक दाहाल कहलैन, “एखन अइ विषयमे अन्तर्राष्ट्रीय समुदायके गम्भीर ध्यानाकर्षण कराबए पड़त।” जलवायु परिवर्तनके असर हिमाली क्षेत्रमे मात्रे सीमित नै भ क तकर प्रभाव क्रमशः मानव जीवन, कृषि, जलाशय, जैविक विविधता आ समग्र अर्थतन्त्रमे भ रहल उल्लेख केलैन ।

भोटेकोशी नदीमे बाइढ़मे समयमे सरकार अन्तर्राष्ट्रीय समुदाय तथा सम्बन्धित क्षेत्रके विज्ञ आ उद्धार टोलीके सहयोगसँ शुरूङमे खोज तथा उद्धारकेँ तीव्रता नै द सकब सरकारक कमजोरी भेल बतौलैन । शुरूङमे फसल व्यक्तिके अवस्था पत्ता लगेबाक लेल अत्याधुनिक प्रविधि आ दक्ष जनशक्तिके प्रयोग करैत तत्काल खोजी तथा उद्धार कएल गेल रहित तँ बहुतके व्यक्ति बचि सकैत छल मुदा सरकार से नै क सकल ओ सिकायत केलैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...