बर्दिवासक विद्युतीय चुल्ही अभियान सँ बदलि रहल जीवनशैली
आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिका एखन सडक, भवन वा पूर्वाधार विकासक कारणे मात्र चर्चा मे सीमित नहि अछि। पछिल्ला समय नगरपालिका जे विद्युतीय चुल्ही वितरण अभियान आगाँ बढाओने अछि, ओ एतय क सामाजिक आ आर्थिक जीवनशैली मे नईका बहस सुरु करेने अछि। परम्परागत रूप मे जरना कोइला आ एलपी ग्यास पर निर्भर बर्दिवासक भन्सा केँ स्वच्छ तथा आधुनिक ऊर्जा प्रणाली दिस रूपान्तरण करबाक प्रयास बर्दिवास केँ ऊर्जा रूपान्तरणक नव अभ्यासक रूप मे ठाढ़ क’ देने अछि।
नगरपालिका वडा नम्बर १ सँ सुरु कएल कार्यक्रम केँ विस्तार करैत वडा नम्बर २, ४, ५, १०, ११ आ १४ मे ३ सय १३ घरधुरी केँ दु हजार वाट क्षमता क इन्डक्सन चुल्ही वितरण कएने अछि। वडा कार्यालय सभ मे आयोजित वितरण कार्यक्रम मे स्थानीय लोकनि क उत्साह सँ ई कार्यक्रम मात्र “सामग्री वितरण” मे सीमित नहि रहल प्रस्ट देखाइत छल। बहुत लोकक लेल ई नव प्रविधि सँ पहिल प्रत्यक्ष परिचय छल त’ कतेको लोकक लेल ग्यासक अभाव आ जरनाक धुआँ सँ मुक्त होयबाक आशाक सुरु आत सेहो बनल छल।
धुआँयुक्त भन्सा सँ स्वच्छ ऊर्जा दिस
ग्रामीण क्षेत्रक बहुतो घर मे एखनो खाना पकाएबाक लेल जरनाआ गुइँठाक प्रयोग भ’ रहल अछि। एहि सँ महिला सभ केँ दैनिक रूप मे धुआँक असर सहबाक लेल बाध्य बनाओने अछि। आँखि करुहोय, सास फेरय मे कठीन होनाइ तथा दीर्घकालीन रूप मे स्वास्थ्य मे गम्भीर असर पड़बाक समस्या सामान्य सन बनि गेल अछि।
विद्युतीय चुल्हीक प्रयोग बढला सँ एहन समस्या मे कमी आउबक अपेक्षा कएल गेल अछि। धुआँरहित भन्सा सँ स्वास्थ्य मे सुधार आनत मात्र नहि, खाना पकाएबाक समय घटेबाक आ श्रम कम करबाक विश्वास सेहो कएल गेल अछि। विशेष क’ महिला सभक लेल एकर प्रभाव आर पैघ देखल गेल अछि।
पहिने जरना जम्मा करबाक लेल घण्टौँ जङ्गल आ खेतबारी दिसन जायके मजबूरी छल। अब बिजलीक माध्यम सँ जल्दि सफा आ सुरक्षित रूप मे खाना पकाएब सम्भव भेला सँ दैनिक जीवन सहज बन्नय क’ अपेक्षा कएल गेल अछि।
सहकार्यक नव मोडल
कार्यक्रमक दोसर महत्वपूर्ण पक्ष एकर लगानी संरचना अछि। कुल लागत मे ग्रीन क्लाइमेट फन्ड, वैकल्पिक ऊर्जा प्रवर्द्धन केन्द्र, नगरपालिका सहित लाभग्राही स्वयं क’ सेहो योगदान रहल अछि।
नगरपालिकाक १९.०९ प्रतिशत, ग्रीन क्लाइमेट फन्ड क’ १० प्रतिशत, वैकल्पिक ऊर्जा प्रवर्द्धन केन्द्र क’ ४७.९७ प्रतिशत तथा लाभग्राही सभक २२.९४ प्रतिशत लागत व्यहोर्ने अछि।
एहि प्रकारक साझेदारी सँ दिगो विकासक योजना मे स्थानीय सरकार, अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग आ नागरिक सहभागिता बीचक समन्वय कतेक प्रभावकारी भ’ सकैत अछि ताहि बातकेँ देखौने अछि। ऊर्जा जकाँ आधारभूत आवश्यकता मे एहन मोडल सफल भेला सँ भविष्यक आन विकास योजना मे सेहो एकर प्रभाव देखबामे आबि सकैत अछि।
समावेशिता केँ प्राथमिकता
बर्दिवास नगरपालिका क’ नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री क’ नेतृत्व मे सञ्चालन कएल गेल ई अभियान सामाजिक समावेशिता केँ सेहो प्राथमिकता मे रखने अछि।
पहिल चरण मे दलित समुदाय, अपाङ्गता भेल व्यक्ति तथा एकल महिला केँ प्राथमिकता देब मात्र प्रशासनिक निर्णय मात्र नहि, सामाजिक न्याय क’ सन्देश सेहो अछि। आधुनिक ऊर्जा सेवा मे पहुँच सब नागरिक क’ अधिकार होनाइ चाही, एहि अवधारणा केँ ई कार्यक्रम व्यवहार मे उतारबाक प्रयास कएने देखाइत अछि।
नेपालक बहुतो ग्रामीण क्षेत्र मे एखनो आधुनिक ऊर्जा पहुँच वर्गीय आ आर्थिक अवस्था सँ जुड़ल अछि। एहन अवस्था मे बर्दिवास कमजोर वर्ग केँ प्राथमिकता मे राखब सकारात्मक अभ्यासक रूप मे देखल गेल अछि।
ग्यास सङ्कटक विकल्प
पछिल्ला वर्ष सभ मे अन्तर्राष्ट्रिय परिस्थितिक कारण एलपी ग्यासक आपूर्ति आ मूल्य मे अस्थिरता देखाइत आएल अछि। सीमावर्ती नाका मे अवरोध भेला सँ ग्रामीण क्षेत्र मे ग्यासक अभाव आर तीव्र होइत गेल अनुभव स्थानीय लोकनि सँग अछि।
एहि अवस्था केँ ध्यान मे राखैत नगरप्रमुख क्षेत्री विद्युत केँ ठोस विकल्पक रूप मे आगाँ बढ़ाबय क’ आवश्यकता औँल्याओने छथि। हुनका अनुसार खाना पकाएबाक प्रणाली केँ विद्युत सँ जोड़ब मात्र सुविधा मात्र नहि, दीर्घकालीन आर्थिक बचत आ वातावरण संरक्षण सँ सेहो जुड़ल विषय अछि।
नेपाल मे जलविद्युत उत्पादन बढ़ि रहल अवस्था मे घरेलू उपभोग केँ सेहो विद्युत पर आधारित बनाबय सकला सँ ऊर्जा आत्मनिर्भरताक लक्ष्य मे टेवा पहुँ चत।
वातावरणीय सन्देश
जरनाक अत्यधिक प्रयोग सँ वन क्षेत्र पर दबाव बढ़ैत अछि। ग्रामीण क्षेत्र मे इन्धनक लेल होबय वाला काठ कटानी सँ दीर्घकालीन रूप मे वातावरणीय जोखिम आबि सकैत अछि।
विद्युतीय चुल्हीक प्रयोग विस्तार भेला सँ जरनापर निर्भरता घटत आ वन संरक्षण मे सकारात्मक प्रभाव पड़तय, से विश्वास कएल गेल अछि। संगे, एलपी ग्यासक खपत घटला सँ विदेशी मुद्रा बचत मे सेहो योगदान पहुँचि सकैत अछि।
स्वच्छ ऊर्जा दिसक ई यात्रा जलवायु परिवर्तनक चुनौती सँग लड़बाक लेल स्थानीय तह कते धरि भूमिका खेलि सकैत अछि ताहि क’ उदाहरण सेहो बनल अछि।
स्थानीय सरकारक सक्रियता
नेपाल मे स्थानीय तह गठन भेला बाद विकासक बहुतो जिम्मेवारी स्थानीय सरकार मे केन्द्रित भेल अछि। मुदा बहुतो ठाम योजना सभ मात्र घोषणामे सीमित रहबक कम्प्लेन सुनिअइत अछि।
बर्दिवास नगरपालिका ऊर्जा रूपान्तरण केँ व्यवहारिक कार्यक्रमक माध्यम सँ आगाँ बढ़ाबय क’ प्रयास कएने देखाइत अछि। नगरपालिका आगामी दिन मे सब वडा मे विद्युतीय चुल्ही, सुधारल चुल्ही तथा घरेलू बायोग्यास प्रणाली विस्तार करबाक योजना बनेने जनओने अछि।
जँ ई योजना प्रभावकारी रूप मे कार्यान्वयन भेल त’ बर्दिवास मधेश प्रदेश मे स्वच्छ ऊर्जा प्रयोगक नमुना नगर बनि सकैत अछि।
छोट सुरुओत, पैघ परिवर्तन
समाज परिवर्तन सबदिन विशाल परियोजना सँ मात्र सुरु नहि होइत अछि। कहियो काल एकटा भन्सा सँ सुरु भेल छोट परिवर्तन नागरिकक सोच, आदत आ जीवनशैली मे दीर्घकालीन प्रभाव पाड़ि सकैत अछि।
बर्दिवासक विद्युतीय चुल्ही अभियान एखन ओहि सम्भावनाक प्रारम्भिक सङ्केत बनल अछि। जँ एकरा निरन्तरता दैत प्रभावकारी रूप मे विस्तार कएल जा सकल त’ ई अभियान मात्र एकटा नगरपालिकाक कार्यक्रम मे सीमित नहि रहत। एकरा देशभर स्वच्छ ऊर्जा प्रवर्द्धन क’ लेल प्रेरणादायी नमुना बनबाक सम्भावना देखलगेल अछि।






