आज्ञा खबर
काठमाडौं
नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय अनुशासन समिति मधेस प्रदेशक तीन गोटे प्रदेशसभा सदस्यकेँ भविष्यमे पार्टी विधान आ अनुशासननक जिम्मेवारी निर्वाह करबाक लेल सचेत कएने अछि।
बृहस्पत दिन बैसल समितिक बैसार सर्लाही निर्वाचन क्षेत्र नम्बर–२ अन्तर्गतक प्रदेशसभा सदस्य सकुन्ती देवी महरा, कौशल किशोर राय आ जंगीलाल रायकेँ पार्टीपर आरो बेसी जिम्मेवार बनबाक निर्देशन देलक अछि। हुनका सभ पर निर्वाचनक समयमे पार्टीक आधिकारिक उम्मेदवारकेँ अपेक्षित सहयोग नहि कएबाक आरोप लागल छल।
उक्त आरोपक बारेमे स्पष्टीकरण मागल गेलाक बाद तीनू गोटे आरोपकेँ अस्वीकार करैत अपन लिखित जवाफ समितिमे बुझौने छलाह। समिति हुनका सभक स्पष्टीकरणकेँ सन्तोषजनक मानल तँ अछि मुदा आगामी दिनमे एहन किसिमक शिकायत दोहोरबाक नहि दऽ पार्टीक विधान, नियम आ अनुशासनप्रति प्रतिबद्ध रहबाक सुझाव सहित सचेत कएने जनओने अछि।
एम्हर, बारा जिला कार्यसमितिक उपसभापति अमिरीलाल राउत अनुशासन उल्लङ्घन आरोपसँ मुक्त भऽ गेल छथि। समिति हुनक स्पष्टीकरण आ सम्बन्धित कागजात सभक अध्ययनक बाद थप कारबाही आवश्यक नहि देखलाक निष्कर्ष निकालैत सफाइ देबाक निर्णय कएने अछि।
एही बीच, पार्टीक आधिकारिक उम्मेदवार विरुद्ध अन्तरघात कएबाक आरोपमे बारा जिला सभापति राजेश राय यादव पर कारबाही कएल गेल अछि। पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे बैसल अनुशासन समितिक बैसार हुनका जिला सभापतिक जिम्मेवारीसँ निलम्बन करबाक निर्णय कएने जनाओने अछि।
समितिक संयोजक तारामान गुरुङक अध्यक्षतामे सम्पन्न बैठक पार्टी अनुशासनकेँ आर बेसी प्रभावकारी बनेबाक आ निर्वाचनक क्रममे देखल गेल गतिविधि सभक बारेमे आवश्यक निर्णय सभ कएने कांग्रेस जनओने अछि।






