नारायणी अस्पताल घटनाक बारेमे छानविन करबाक लेल समिति गठन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

पर्सा

नारायणी अस्पतालमे शैनदिन भेल घटनाके छानबिन करबाक लेल पाँच सदस्यीय समिति गठन कएल गेल अइछ । अस्पतालक आकस्मिक कक्षमे इलाजक क्रममे वीरगञ्ज महानगरपालिका–२५ निवासी ४५ वर्षीय राज कुमार पटेलक मृत्यु भेलाक बाद हुनक परिवार चिकित्सक तथा अस्पताल प्रशासनके लापरबाहीके कारण बेमारीके मृत्यु भेल आरोप लगाबैत प्रदर्शन कएने छल । अक्सिजनमे रहल बेमारीकेँ स्थानान्तरण करबाक क्रममे अक्सिजन हटौसँ पटेलके मृत्यु भेल परिवारक दाबी अइछ ।

छानबिन समितिमे जिला प्रशासन कार्यालय पर्साके प्रशासकीय अधिकृत विनय कुमार राम, नारायणी अस्पतालका डा. निरज कुमार सिंह, वीरगञ्ज महानगरपालिका–२५ के वाड अध्यक्ष आशुतोष चतुर्वेदी, मृतक पक्षके प्रतिनिधि विकास पटेल आ अस्पताल प्रशासनके प्रतिनिधि सुनिल कुमार रौनियार सदस्य छैथ, तँ जिला प्रहरी कार्यालय पर्साके प्रहरी निरीक्षक समितिके संयोजक छैथ ।

अस्पताल घटनाक समयमे इलाजमे संलग्न पाँच गोटे स्वास्थ्यकर्मीकेँ छानबिन प्रतिवेदन नै आबएधैर जिमेवारीसँ हटौलक अइछ । जिला प्रहरी कार्यालय पर्साके प्रहरी नायब उपरीक्षक तथा प्रवक्ता किशोर लम्साल समिति एक हप्तामे प्रतिवेदन पेश करबाक आ प्रतिवेदनके आधारमे दोषी प्रमाणित भेलापर आवश्यक कारबाही करबाक बतौलैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...