रास्वपाद्वारा सांसद पौडेलपर कारिया मसी फेकल गेल घटनाके भर्त्सना

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काठमाण्डू

राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) संसदीय दल रौतहट निर्वाचन क्षेत्र नं ४सँ निर्वाचित प्रतिनिधिसभा सदस्य गणेश पौडेलके कारी मसी फेकल गेल घटनाप्रति गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल जनौलक अइछ ।

दलके मुख्य सचेतक कविन्द्र बुर्लाकोटीद्वारा आइ जारी विज्ञप्तिमे इएह साओन ७ गते जनतासङे भेटघाट कार्यक्रमक बाद सांसद पौडेलपर भेल उक्त घटनाके घोर भर्त्सना कएल गेल अइछ ।

विज्ञप्तिमे लोकतान्त्रिक व्यवस्थामे असहमति आ विरोध व्यक्त करबाक अधिकार सुरक्षित रहलोपर जनप्रतिनिधिपर हिंसा, दुर्व्यवहार वा अपमानजनक व्यवहार कोनो लोकतान्त्रिक समाजमे स्वीकार्य नै होबाक उल्लेख कएल गेल अइछ ।

एहन गतिविधि विधिके शासन, लोकतान्त्रिक संस्कार तथा शान्तिपूर्ण आ सुसंस्कृत राजनीतिक अभ्यासपर प्रहार होबाक रास्वपाके धारणा अइछ । रास्वपा घटनामे संलग्न व्यक्तिपर कानुनबमोजिम कड़ा कारबाहीक लेल नेपाल सरकार आ सम्बन्धित निकायसँ माँग केलक अइछ । संसदीय दल लोकतान्त्रिक मूल्य, विधिके शासन, अहिंसात्मक राजनीतिक अभ्यास तथा सभ्य समाज निर्माणप्रति स्वयं सदैव प्रतिबद्ध रहबाक सेहो स्पष्ट केलक अइछ । रासस

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...