आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
कृषि सामग्री कम्पनी लिमिटेड जनकपुरधाम, धनुषा मधेश प्रदेश सरकारद्वारा निर्धारित ‘बफर’ कोटाके रासायनिक खाद वितरण सुरु केलक अइछ । धान रोपनीके समयमे रासायनिक खादके अभाव भोइग रहल धनुषाक कृषककेँ लक्षित क स्थानीय तहके सिफारिसक आधारमे बफर कोटाके युरिया आ डिएपी रासायनिक खाद वितरण सुरु केलक अइछ । मधेश प्रदेश सरकारक बितल अखार ३१ गतेके निर्णयबमोजिम स्थानीय तहगत रुपमे निर्धारण कएल गेल बफर कोटाअनुसार युरिया आ डिएपी खाद बिक्री वितरण सुरु कएल गेल कृषि सामग्री कम्पनी लिमिटेड जनकपुरधामके सूचना अधिकारी बेचन साह जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार खादके वितरण सङे जिलामे किछ समय पहिनेधैर रहल डिएपी खादके अभाव कम भ रहल अइछ । साओनके दोसर हप्ताधैर थप युरिया आ डिएपी खाद एबाक कारण खाद अभावके समस्या पूर्ण रुपमे समाप्त होबाक हुनक कहब छैन । अइ बीच कृषि सामग्री कम्पनी लिमिटेड जनकपुरधाम धनुषा बितल एक सालके अवधिमे १८ हजार ७ सओ ४५ दशमलव एक मेट्रिक टन रासायनिक खाद कृषककेँ वितरण केलक अइछ ।
कार्यालयके सूचना अधिकारी साहके कहब अनुसार कार्यालय आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे युरिया ११ हजार २ सओ ४१ दशमलव ३ सओ ५० मेट्रिक टन, डिएपी छ हजार ९ सओ ६३ दशमलव ३ सओ मेट्रिक टन, पोटास ३ सओ ७९ दशमलव ५ सओ ५० मेट्रिक टन आ कृषि चुन एक सओ ६० दशमलव ९ सओ मेट्रिक टन रासायनिक खाद कृषककेँ वितरण केलक अइछ । उक्त कार्यालयकेँ आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे युरिया १० हजार ६ सओ १८ दशमलव ५ सओ मेट्रिक टन, डिएपी सात हजार २ सओ ८९ मेट्रिक टन, पोटास ४ सओ ६३ मेट्रिक आ कृषि चुन २ सओ ३५ मेट्रिक टन रासायनिक खाद प्राप्त भेल सूचना अधिकारी साह बतौलैन ।
धान रोपनीके मुख्य सिजनमे कार्यालय आवश्यकताअनुसार खाद वितरण करैत मौज्दात व्यवस्थापनकेँ प्रभावकारी बनौने कार्यालय प्रमुख ध्रुव चौधरी बतौलैन । धान रोपनी समयकेँ लक्षित क खादके नियमित आपूर्ति, मौज्दात व्यवस्थापन आ वितरण प्रक्रियाकेँ व्यवस्थित बनाएल गेल प्रमुख चौधरीके कहब छैन । कृषकके माँगअनुसार थप खाद उपलब्ध करेबाक लेल आवश्यक समवंय भ रहल आ अइ सालके थप खाद किछ दिनमे एबाक प्रमुख चौधरीके कहब छैन ।(रासस)
