मधेश प्रदेशक ३४ स्थानीय तहमे करदाता सेवा विस्तार

[sharethis-inline-buttons]

राजु विश्वकर्मा

रासस जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशक ३४ स्थानीय तहमे करदाता सेवा विस्तार कएल गेल अइछ । सङ्घीय सरकार नागरिककेँ सहज, शिघ्र आ पहुँचयोग्य सेवा प्रदान करबाक उद्देश्यसहित आगु कएने ‘स्थानीय तहबाटै करदाता सेवा’ अवधारणा आब व्यावहारिक रूप लागू भेल अइछ । नेपालमे सङ्घीयता लागू भेल एक दशक हुअ लागल अवस्थामे अधिकांश सार्वजनिक सेवा अखनो केन्द्रित संरचनासँ सञ्चालन होइत आएल अइछ । कर प्रशासन सेहो ओइमध्ये एक छल । प्यान दर्ता, प्यान रूपान्तरण, आयकर दर्ता तथा अन्तःशुल्कसम्बन्धी विभिन्न प्रक्रियाके लेल सेवाग्राहीके लम्बा समयधैर यात्रा करबाक अवस्था छल ।

मधेश प्रदेशक ३४ टा स्थानीय तहसभमे करदाता सेवा सुरु भेलाक बाद नागरिक करसम्बन्धी काजक लेल जिा सदरमुकाम वा आन्तरिक राजस्व कार्यालय जेबाक बाध्यता कम भेल अइछ । सप्तरी, धनुषा, सर्लाही, रौतहट आ बाराके ३४ स्थानीय तहमे सेवा सुरु हएब ओकरे उदाहरण अइछ । मधेश प्रदेशक आठो जिलाक एक सओ ३६ स्थानीय तहमध्ये अखनधैर सप्तरी, धनुषा, सर्लाही, रौतहट आ बाराके ३४ स्थानीय तहसँ करदाता सेवा सुरु भ चुकल आन्तरिक राजस्व कार्यालय जनौलक अइछ । आन्तरिक राजस्व कार्यालय लहान सिरहाके प्रमुख अमित पौडेलके कहब अनुसार सप्तरीके १८ स्थानीय तहमे करदाता सेवा सुरु भ चुकल अइछ ।

सप्तरीके राजविराज नगरपालिका, सप्तकोशी नगरपालिका, कञ्चनरुप नगरपालिका, हनुमाननगर कंकालनी नगरपालिका, शम्भुनाथ नगरपालिका, खडक नगरपालिका, बोदे बसाइन नगरपालिका, डाक्नेश्वरी नगरपालिका, सुरुङ्गा नगरपालिका, अग्निसाइर कृष्णासबरण गाउँपालिका, तिरहुत गाउँपालिका, महदेवा गाउँपालिका, तिलाठी कोइलाडी गाउँपालिका, राजगढ गाउँपालिका, विष्णुपुर गाउँपालिका, छिन्नमस्ता गाउँपालिका, बलान बिहुल गाउँपालिका आ रुपनी गाउँपालिकामे करदाता सेवा सुरु भ चुकल प्रमुख पौडेल बतौलैन । सिरहामे अखनधैर कोनो स्थानीय तहमे करदाता सेवा सुरु नै भेल अइछ । आन्तरिक राजस्व कार्यालय लहान आ सदरमुकाम सिरहास्थित कोष तथा लेखा नियन्त्रण कार्यालय सिरहा जिलामे करदाता सेवा दैत आएल अइछ । तहिना, धनुषाके मिथिला नगरपालिका आ क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका सेहो किछ दिनसँ करदाता सेवा सञ्चालन कएने आन्तरिक राजस्व कार्यालय जनकपुरधामके प्रमुख आनन्द कुमार गुप्ता बतौलैन । धनुषाके किछ स्थानीय तहसभमे करदाता सेवा सञ्चालन सम्बन्धमे परामर्श आ सम्झौताके काज आगु बढ़ल आ किछ दिनमे ओइ स्थानीय तहसभमे करदाता सेवा विस्तार होबाक हुनक कहब छैन । सर्लाहीके लालबन्दी नगरपालिका, बागमती नगरपालिका, ईश्वरपुर नगरपालिका, हरिवन नगरपालिका, हरिपुर्वा नगरपालिका आ हरिपुर नगरपालिकामे करदाता सेवा सुरु भ चुकल आन्तरिक राजस्व कार्यालय महोत्तरी बर्दिबासके सूचना अधिकारी रोविन साह बतौलैन । हुनक कहब अनुसार सर्लाहीके बाँकी चाइर पालिकामे करदाता सेवा सञ्चालनक लेल प्रयास भ रहल अइछ । आन्तरिक राजस्व कार्यालय सिमरा बाराके अनुसार रौतहटके सात पालिकासँ करदाता सेवा सञ्चालन भ चुकल अइछ । रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका, गरुडा नगरपालिका, गुजरा नगरपालिका, कटहरीया नगरपालिका, गढीमाई नगरपालिका, फतुवा बिजयीपुर नगरपालिकामे करदाता सेवा सुरु भ चुकल आन्तरिक राजस्व कार्यालय सिमरा बाराके प्रमुख दिनेश पाण्डे बतौलैन । बारामे जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिकासँ मात्रे करदाता सेवा सञ्चालन भ रहल प्रमुख पाण्डेके कह छैन । रौतहट आ बाराके किछ स्थानीय तहसँ करदाता सेवा सञ्चालनक लेल सम्झौता आ तालिम देबाक काज भ रहलासँ जल्दी ओइ पालिकासभमे सेहो करदाता सेवा सुरु करबाक प्रमुख पाण्डेके कहब छैन । सिरहा, महोत्तरी आ पर्सा जिलाके कोनो स्थानीय तह अखनधैर करदाता सेवा सञ्चालन नै क सकल अइछ । विगतमे आन्तरिक राजस्व कार्यालयसभसँ दैत आएल व्यक्तिगत तथा व्यवसायी स्थायी लेखा नम्बर जारी करबाक, प्यान रुपान्तरण करबाक तथा आयकर दर्तासम्बन्धी काज आब स्थानीय तहसँ हुअ लागल अइछ । तहिना, अन्तःशुल्कसम्बन्धी इजाजत जारी तथा नवीकरण प्रक्रियाके लेल कागजात सङ्कलन आ प्रारम्भिक प्रमाणीकरण पालिकासँ क अन्तिम स्वीकृति आन्तरिक राजस्व कार्यालयसँ डिजिटल हस्ताक्षरमार्फत होबाक व्यवस्था अइछ । स्थानीय तहसँ करदाता सेवा सञ्चालन भेलाक बाद पालिका भीतर रहल करदाताकेँ सदरमुकामधैर जेबाक बाध्यता समाप्त होबाक सङे करदाताकेँ समय आ खर्च बचत होबाक सप्तरीके तिरहुत गाउँपालिकाके अध्यक्ष विजय यादवके विश्वास छैन ।

करसम्बन्धी सेवा स्थानीय तहमे हस्तान्तरण भेलाक लगले स्थानीय सरकार आ सङ्घीय निकाय बीचक समवंयकेँ मजबुत बनौने सङ्घीयता विज्ञ तथा राष्ट्रिय सभाके पूर्वसदस्य डा. खिमलाल देवकोटाके कहब छैन । “स्थानीय तहसँ सेवा प्रवाह हुअबला सबसँ बेसी लाभ नागरिककेँ हएत”, डा. देवकोटा कहलैन, “पहिने एकटा प्यान दर्ता वा नवीकरणक लेल दिनभैर समय खर्च क जिला सदरमुकाम जेबाक अवस्था छल । आब ओएह सेवा अपने पालिकासँ प्राप्त कएल जा सकैय ।” सङ्घीय सरकारक अइ व्यवस्थासँ कर प्रशासनकेँ थप व्यवस्थित आ पारदर्शी बनेबाक लेल सहयोग हएत । स्थानीय तह नागरिकसँ प्रत्यक्ष सम्पर्कमे रहैबला निकाय भेलाक कारण करदाताके विवरण अद्यावधिक राखए, करसम्बन्धी जनचेतना अभिवृद्धि करए तथा नयाँ करदाताकेँ प्रणालीमे आबद्ध करेबाक लेल आसान होबाक डा. देवकोटा विश्वास व्यक्त केलैन ।

मधेश प्रदेशक सिरहा, महोत्तरी आ पर्सा जिलाके स्थानीय तहमे अखनो सेवा सुरु नै भेल अइछ, तँ आवश्यक जनशक्ति, प्राविधिक पूर्वाधार, तालिम आ समवंय अभावसँ सेवा विस्तारमे देरी भ रहल अइछ । सङ्घीय सरकार, आन्तरिक राजस्व कार्यालय आ स्थानीय तह बीच प्रभावकारी सहकार्य भेलाक बाद मात्रे ई अभियान पूर्ण सफल होबाक हुनक कहब छैन । डिजिटल प्रणालीके प्रभावकारी प्रयोग दोसर महत्वपूर्ण पक्ष अइछ । स्थानीय तहसँ कागजात सङ्कलन आ प्रारम्भिक प्रमाणीकरण भेलाक बादो अन्तिम स्वीकृति डिजिटल हस्ताक्षरमार्फत आन्तरिक राजस्व कार्यालयसँ होबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । अइसँ सेवा प्रक्रियाकेँ आधुनिक आ पारदर्शी बनोलाक बादो इन्टरनेट, प्रविधि आ दक्ष जनशक्तिके उपलब्धता सुनिश्चित करबाक आवश्यकता अइछ । –––

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...