आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक टोली सेवाग्राहीसँ घुस ल रहल अवस्थामे आन्तरिक राजस्व कार्यालय लहानके कर अधिकृत युवराज पालकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
आयोगके बर्दिवाससँ खटल टोली सेवाग्रीसँ घुस ल रहल अवस्थामे कर अधिकृत पालकेँ गिरफ्तार कएने आयोगक सूचना अधिकारी प्रकाश पोखरेल जानकारी देलैन ।
लहानस्थित एकटा कम्पनीके कर परीक्षणमे सहज क देबाक कहैत कर अधिकृत पाल सेवाग्राहीसँ घुस लेने अभियोग अइछ ।
सूचना अधिकारी पोखरेले कहब अनुसार घुसके रकम यकिन करबाक लेल कर अधिकृत पालपर आवश्यक अनुसन्धान भ रहल अइछ । – रासस
