आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सिरहा बितल आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे एक करोड़ १४ लाख ३६ हजार टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । ओइ अवधिमे ट्राफिक नियम उल्लङ्घन करैबला १३ हजार ४ सओ १६ सवारी कारवाहीसँ एक करोड़ १४ लाख ३६ हजार राजस्व सङ्कलन भेल कार्यालय प्रमुख प्रहरी निरीक्षक नवीन मरासिनी जानकारी देलैन ।
आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे ३२ हजार एक सओ ५७ सवारी चालककेँ कएल गेल कारवाहीसँ दू करोड़ ५१ लाख १९ हजार ५ सओ २ टका राजस्व सङ्कलन कएने छल । ओइ अवधिमे सिरहा जिलामे आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे भेल एक हजार २० सवारी दुर्घटना भेल छल । उक्त दुर्घटनामे ६२ पुरुष, सात महिला आ १२ गोटे बालबालिकाके मृत्यु भेल छल, तँ एक हजार ६ सओ ७६ गोटे घायल भेल छल । बितल आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे सिरहामे ९ सओ ६७ सवारी दुर्घटना भेलासँ ६४ पुरुष, १४ महिला आ ११ बालबालिकाके मृत्यु भेल छल ।
उक्त घटनामे एक हजार ५ सओ ५४ घायल भेल छल । सड़क अवस्था, मानवीय लापरवाहीलगायतक कारण सवारी दुर्घटना किछ बढ़लाक बादो विगतके तुलनामे दुर्घटनामे मृत्यु हुअबलाके सङ्ख्या ओइ आर्थिक वर्षमे घटल प्रहरी निरीक्षक मरासिनी बतौलैन । बितल समय ट्राफिक सचेतना आ नियमित जाँचके कारण सवारी दुर्घटनामे कमी आएल विश्वास अइछ ।–(रासस)
