मधेशक अधिकांश जिलामे धान रोपनी अन्तिम चरणमे

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशमे हालधैर ७८ दशमलव ५९ प्रतिशत रोपनी भेल अइछ। मधेश प्रदेश कृषि विकास निर्देशनालयक अनुसार साओन ७ गतेधैर प्रदेशक तीन लाख ५८० हेक्टरमे रोपनी भेल अइछ। सबसँ बेसी सिरहामे ९४ प्रतिशत आ सबसँ कम महोत्तरीमे ५५ रोपनी भेल अइछ। अइ वर्ष पर्याप्त वर्षा भेलासँ उत्साहसँ किसान रोपनी क रहल छै।

किसान अइ वर्ष उन्नत धानके बीया प्रयोग सङे रासायनिक आ प्राङ्गारिक मलक व्यवस्थापनमे सेहो ध्यान देल गेल निर्देशनालयक बागवानी विकास अधिकृत किरण विश्वकर्मा राससकेँ बतौलैन। अइ बीच, किछु स्थानमे सिँचाइ पूर्वाधार आ मलक अभाव भेल किसान शिकायत कएने छैथ।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...