आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
कृषि, वन तथा पर्यावरणमन्त्री गीता चौधरी वन, वातावरण, कृषि, जल, जङ्गल आ जग्गाके संरक्षणकेँ उच्च प्राथमिकतामे राखबाक लेल जोड़ देलैन अइछ । धनुषाके धनुषाधाम नगरपालिकास्थित सबडिभिजन वन कार्यालयमे आयोजित परामर्श तथा वृक्षरोपण कार्यक्रममे ओ वन आ पर्यावरणके संरक्षण बिना मानव अस्तित्व सङ्कटमे पड़त से उल्लेख करैत प्राकृतिक स्रोतके संरक्षणमे सब पक्ष जिमेवार होबाक चाही बतौलैन । सड़क पूर्वाधारके विकाससँ मात्रे देश समृद्ध नै बनबाक उल्लेख करैत मन्त्री चौधरी कृषि, वन, जल, जग्गा आ वातावरण संरक्षणससहित समग्र विकासमे जोड़ देबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन । देश निर्माणक लेल सब क्षेत्रके सन्तुलित विकास आवश्यक रहल हुनक कबह छलैन ।
बाल्यकालसँ ‘हरियो वन नेपालको धन’ आ ‘नेपाल कृषि प्रधान देश’ सुनैत एलाक बादो कृषि आ वन क्षेत्र अपेक्षित प्राथमिकता प्राप्त नै कएने उल्लेख करैत ओ माइट सुधार कार्यक्रमकेँ प्रभावकारी रूपमे सञ्चालन करैत प्राकृतिक स्रोत संरक्षणमे सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन । प्रत्येक प्रदेशमे एक–एकटा प्राणी उद्यान स्थापना करबाक सरकारके योजना रहल जानकारी दैत मन्त्री चौधरी ओएह योजनाअनुसार मधेश प्रदेशमे सेहो प्राणी उद्यान निर्माण करबाक बतौलैन । सङ्घ आ प्रदेश सरकार एकटा राज्य संरचनाके अङ्ग भेलासँ आपसी समवंय आ सहकार्यसँ आगु बढ़बाक लेल जोड़ दैत ओ मधेश प्रदेशमे कृषि, वन आ वातावरण संरक्षणक लेल सब पक्षके मिल क काज करबाक आवश्यकता भेल बतौलैन ।
कार्यक्रममे मधेश प्रदेशक वन तथा वातावरणमन्त्री शङ्कर प्रसाद चौधरी वनजङ्ल संरक्षण बिना मानव जीवन सङ्कटमे पड़त उल्लेख करैत संरक्षण अभियानमे सबकेँ सहभागी होबाक लेल आग्रह केलैन । ओइ अवसरमे मन्त्री चौधरी सबडिभिजन वन कार्यालय परिसरमे कल्पवृक्ष तथा धनुषाधाम वनस्पति उद्यानस्थित नक्षत्र बाटिकामे राशिअनुसारके वृक्षरोपण कार्यक्रमके शुभारम्भ केलैन । (रासस)
