आज्ञा खबर
बर्दिवास
मधेश प्रदेश सरकारक नेतृत्व कऽ रहल वर्तमान मुख्य मन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव दोसरबेर प्रदेश सभा सँ विश्वासक मत प्राप्त कएने छथि। सत्तासाझेदार जनमत पार्टी सरकार सँ बाहरएलाक बाद उत्पन्न राजनीतिक परिस्थितिक बीच मुख्यमन्त्री यादव विश्वासक मत लेबाक लेल प्रदेश सभाक बैसार बोलाएबाक आग्रह कएने छलाह।
ओही अनुरोधक अनुसार बैसल मधेस प्रदेश सभाक बै सारमे मुख्यमन्त्री यादवद्वारा विश्वासक मत मागला पर उपस्थित १०० सासंद मे ६२ गोय गोटे समर्थन जनेने छथि तँ ३६ गोटे विपक्षमे मत देने छथि। आवश्यक बहुमत सँ बेसी समर्थन प्राप्त केलाक संगे ओ प्रदेश सभाक विश्वास कायम राखऽमे सफल भेल छथि।
मुख्यमन्त्री यादवक पक्षमे नेपाली कांग्रेस, नेकपा एमाले, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी तथा नेपाल संघीय समाजवादी पार्टीक सांसद सब मत देने छलाह। एम्हर जनमत पार्टी, जसपा नेपाल आ राप्रपा सरकारक विरुद्धमे मतदान कएने छल।
विश्वासक मतसम्बन्धी प्रक्रिया सम्पन्न भेलाक बाद प्रदेश सभाक बैठक दोसर सूचना जारी नइ भेल धरिक लेल स्थगित कएल गेल अछि।






