आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरीक सम्सी गाउँपालिका–१ पर्सादेवाडमे मङ्गलदिन एक महिलाक संकास्पद मृत्यु भेला क बाद घटना सँ स्थानीय क्षेत्रमे सनसनी फैलल अछि। मृतकक नहिरा पक्ष दहेजक विषयकेँ ल कऽ बेटीक हत्या कएल गेल आरोप लगौने छथि तँ प्रहरी घटनाके बिषयमे अनुसन्धान आगा बढौने बतौने अछि।
२०८२ फागुन १४ गते विवाह बन्धनमे बान्हल गेल सर्लाहीक हरिपुर्वा नगरपालिका–७ बसन्तपुर निवासी रामज्ञान मण्डलक बेटी रञ्जिता मण्डल छथि। हुनकर विवाह महोत्तरीक सम्सी गाउँपालिका–१ पर्सादेवाड निवासी विजय मण्डलक बेटा रमेश मण्डल सँ भेल छल। विवाह भेल तीन महिना सेहो नै पूजैत अर्थात् ८३ दिनक भितरहि रञ्जिताक मृत्यु भेल अछि।
परिवारक अनुसार मङ्गलदिन साँझ रञ्जिता फाँसी लगा कऽ आत्महत्याक प्रयास कएने कहैत मृतकक पति रमेश मण्डल उपचारक लेल हुनका रामगोपालपुर नगरपालिका–९ स्थित जानकी एकेडेमिक हेल्थ केयर सेन्टर पहुँचेने छलाह। मुदा हेल्थ केयर सेन्टर हुनका मृत घोषित कएने बताओल गेल अछि।
यद्यपि, घटनाकेँ मृतक पक्ष गम्भीर आशङ्का व्यक्त कएने अछि। रञ्जिताक माए कौशिल्या देवी मण्डल अपन बेटीक मृत्यु आत्महत्या नै भऽ कऽ योजनाबद्ध हत्या भेल दाबी कएने छथि। हुनकर अनुसार किछु दिन पहिने मात्रे बेटी सँ फोनमे बात होइत काल ससुराल पक्ष नईहर सँ दहेज स्वरूप भैंसि आनबाक लेल दबाब देल जानकारी देने छलीह।
“हम सभ विवाहमे नगद १० लाख रुपैयाँ सहित सोना–चाँदी आ अन्य सामान देने छलहुँ, मुदा फेर सँ भैंस मँगै लागल बाद बेटी पर मारपिट होबऽ लागल छल,” कौशिल्या आरोप लगाबैत कहलीह, “अन्ततः हमर बेटीक हत्या कएल गेल।”
घटनाक बाद प्रहरी रञ्जिताक पति रमेश मण्डलकेँ पुछतासक लेल नियन्त्रणमे लेल जनाउने अछि। जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक अनुसार मृत्यु हत्या वा आत्महत्या हय से विषय पोस्टमार्टम प्रतिवेदन एला क बाद मात्र स्पष्ट होएत बताओल गेल अछि।
हुनकर शव परीक्षणक लेल प्रादेशिक अस्पताल जलेश्वर पठाओल गेल आ घटनाबारे सूक्ष्म अनुसन्धान भऽ रहल प्रहरी बतौने अछि।






