आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
रसुवाके भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़मे लापत्ता मध्ये मधेश प्रदेशक ३० गोटे परिवारके सम्पर्कमे आएल छै । मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुरधामक प्रवक्ता वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक प्रभुप्रसाद ढकालअनुसार बाइढ़मे हरा रहल मधेश प्रदेशक १९२ गोटे मध्ये ३० गोटे टेलिफोनमार्फत सम्पर्कमे आएल आ १६२ गोटे अखनो सम्पर्कविहीन अइछ ।
सम्पर्कविहीनमध्ये पर्साके वीरगञ्ज महानगरपालिकाके ज्ञानबहादुर थिङ, श्याम मोक्तान, बाराके कलैया उपमहानगरपालिका–२२ क सत्यम राम, स्वर्ण गाउँपालिका–३ क रुपेश गुप्ता सम्पर्कमे आएल प्रवक्ता ढकाल बतौलैन । एहिने, रौतहटके गढीमाई नगरपालिका–७ क मोविदा खातुन, सकिना खातुन, सलमान अन्सारी, रौतहटकै ईशनाथ नगरपालिका–४ क सेख मजिद, रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका पवित्रा नेपाल सिलवाल आ सम्राट सिलवाल सेहो सम्पर्कमे आएल प्रवक्ता ढकाल बतौलैन ।
तहिना, सर्लाहीके लालबन्दी नगरपालिका–१ क वृजकिशोर दास, सुनिता दास, बागमती नगरपालिका–६ क दिपेश थापा, महोत्तरीके जलेश्वर नगरपालिका–१ क राकेश कुमार यादव, ई विपीन कुमार मण्डल, श्रीकेश यादव, लोहारपट्टी गाउँपालिका युवराज पाण्डे, ओेरही गाउँपालिका–९ क सचिन कुमार यादव, गौशाला नगरपालिका–६ क आदित्य नारायण यादव आ बर्दिवास नगरपालिकाक विकास भारती सम्पर्कमे आएल प्रवक्ता ढकालके कहब अइछ ।
एहिने, धनुषाक सबला नगरपालिका लक्ष्मण मेहता, हंसपुर नगरपालिकाक दयावतीदेवी यादव, विजय कुमार यादव, सुरेश पजियार, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–४ क रीतिक झा, विक्रम ठाकुर, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–११ क सुशान्त यादव, सिरहाके गोलबजार नगरपालिका–१० क टार्जन बलम्पाकी, लहान नगरपालिका–४ क उमेश यादव आ कञ्चनरुप नगरपालिका–८ क अजय मरिक टेलिफोनमार्फत सम्पर्कमे आएल प्रहरी जनौलक अइछ ।
अखनधैर सप्तरिक ४८ गोटे, पर्साक ३८ गोटे, रौतहटक १३ गोटे, बाराके २३ गोटे, सर्लाहीक १८ गोटे, महोत्तरीक १० गोटे, धनुषाक सात गोटे तथा सिरहाक १२ गोटे अखनो सम्पर्कविहीन रहल प्रवक्ता ढकाल बतौलैन । (रासस)
