सुनसरीमे फेर कर्फ्यु आदेश

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

विराटनगर

सुनसरीके दक्षिणी क्षेत्र देवानगञ्जके घटनाके विषयमे उत्पन्न विवाद शांत नै भेलाक बाद जिला प्रशासन कार्यालय आइ फेरसँ कर्फ्यु आदेश जारी केलक अइछ । सुनसरीक प्रमुख जिला अधिकारी ईश्वरी प्रसाद अर्याल हस्ताक्षरित उक्त विज्ञप्तिमे आइ दुपहर ३ बजेसँ अनिश्तिकालीन कर्फ्यु आदेश जारी कएने अइछ । स्थानीय प्रशासन ऐन २०२८के दफा ६(क) बमोजिम सुनसरी जिलाके महेन्द्रराजमार्गके चाइर किल्ला तथा इनरुवा बजार क्षेत्र सिमानामे कियो आवतजावत तथा सम्मेलन, जुलुस, प्रदर्शन, सभा, बैसार, घेराउ नै करबाक लेल अनिश्तिकालीन कर्फ्यु आदेश जारी भेल अइछ । कर्फ्यु आदेश भेल क्षेत्र पूर्वमे पकली चौक, पश्चिममे कोशी ब्यारेजके पुलधैर तथा उत्तर आ दक्षिण महेन्द्रराजमार्गके २०० मिटर क्षेत्रसम्ममे कर्फ्यु लगाएल गेल अइछ । (रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...