आज्ञा खबर
महोत्तरी
पाँच वर्ष पहिने पैघ परिमाणमे गाँजा बरामद भेल घटनामे संलग्न भऽ फरार रहल एक प्रतिवादीकेँ महोत्तरी प्रहरी पक्राउ कएने अछि। जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक अनुसार पक्राउ पडैबलामे जलेश्वर नगरपालिका–७ क राम सागर दास रहल छथि। ओ लागुऔषध सम्बन्धी कसूर मुद्दामे नमहर समयसँ फरार सूचीमे रहल छलाह।
प्रहरीक अनुसार २०७८ कात्तिक २८ गते प्राप्त विशेष सूचनाक आधारमे दासक घरमे खानतलासी कएला पर घरभितर रहल भुस्सा रखैबला धनसरक गहुँमक भुस्सा सँ तोपि कऽ नुका कऽ राखल अवस्थामे ४३ दशमलव ५ किलोग्राम गाँजा बरामद कएल गेल छल।
उक्त घटनाक बाद दास फरार भेल छलाह। घटनासँ सम्बन्धित मुद्दा दर्ता भेला तत्कालेओकरा विरुद्ध कानुनी प्रक्रिया आगा बढाओल गेल भेलहुँ ओ पक्राउ पडि नै सकल छलाह। पछिल्ला समय प्रहरी विशेष निगरानी तथा खोजी अभियान सञ्चालन करैत आएल क्रममे ओकरा जेठ २० गते नियन्त्रणमे लेबऽ सफल भेल जनाउने अछि।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक सूचना अधिकारी प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) पञ्चलाल गो लेक अनुसार पक्राउ पड़ल दास पर थप अनुसन्धान आगा बढेबाक लेल महोत्तरी जिल्ला अदालतसँ पाँच दिनक म्याद थप कएल गेल अछि। प्रहरी अखैन लागुऔषध सम्बन्धी कसूर अन्तर्गत ओकरा पर आवश्यक अनुसन्धान प्रक्रिया जारी रहल जनाउने अछि।






