महिनावारीक विषयमे मौनता तोड़ैत बर्दिवासक छात्रा ः स्वास्थ्य, स्वच्छता आ आत्मविश्वासक पाठ

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरीक बर्दिवासमे किशोरी छात्रा सभकेँ लक्षित करैत सञ्चालन कएल गेल तीनदिना महिनावारी (मासिक धर्म) स्वास्थ्य तथा स्वच्छता व्यवस्थापनसम्बन्धी तालिम मात्र एकटा औपचारिक कार्यक्रम धरि सीमित नहि रहल, बल्कि ई महिनावारीक विषयमे समाजमे जईर गाडÞि कऽ बैसल मौनता, भ्रम आ संकोचकेँ चुनौती देबाक प्रयास केने अछि। सामुदायिक तथा संस्थागत विद्यालयक २४ गोटे छात्राकेँ सहभागी करा कऽ सञ्चालन कएल गेल तालिम किशोरी सभकेँ अपन शरीर, स्वास्थ्य आ स्वच्छताप्रति सचेत आ आत्मविश्वासी बनबाक आधार तैयार केने देखल जाइत अछि।
बर्दिवास नगरपालिका भितरक आठटा विद्यालयक छात्राकेँ लक्षित कऽ सञ्चालन कएल गेल उक्त तालिम रविदिन सम्पन्न भेल अछि। रोट्रयाक्ट अफ बर्दिवासक आयोजना तथा रोट्रयाक्ट ग्रान्ट आ कनेक्सन नेपालक सहयोगमे सम्पन्न तालिम महिनावारीकेँ केवल जैविक प्रक्रिया नहि भऽ सम्मान, स्वास्थ्य आ अधिकार सँ जुड़ल विषयक रूपमे बुझयबाक प्रयास केने आयोजक सभक कहब अछि।

समाजमे अखनो महिनावारीकेँ लाज, संकोच वा गोप्य विषयक रूपमे बुझबाक प्रवृत्ति विद्यमान अछि। कतेको किशोरी सभ महिनावारी सुरु भेलाक बाद डर, असहजता आ दिकत(असुविधा) अनुभव करैत छथि। पर्याप्त जानकारीक अभाव, सरसफाइ सामग्रीक कमी आ सामाजिक मान्यताक कारण ओ सभ स्वास्थ्य जोखिममे सेहो पडÞि सकैत छथि। एहन चुनौतीकेँ सम्बोधन करबाक उद्देश्यसहित सञ्चालन कएल गेल तालिम सहभागी छात्राकेँ व्यवहारिक ज्ञान आ जीवनोपयोगी सीप प्रदान केने अछि।

तालिमक समापन कार्यक्रममे बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री प्रमुख अतिथिक रूपमे सहभागी भेल छलाह। कार्यक्रममे बजैत ओ किशोरी सभक स्वास्थ्य, शिक्षा आ आत्मविश्वास सँ जुड़ल विषयमे स्थानीय सरकार संवेदनशील हेबाक आवश्यकता औँल्याबैत महिनावारी स्वास्थ्यकेँ विद्यालयस्तर सँ व्यवस्थित बनेबाक धारणा रखने छथि जे जनाओल गेल अछि। बर्दिवास नगरपालिका अखन सिखते,कमैते आपढते अवधारणा लैने अछि बोही अन्र्तगत यि तालिम सञ्चालन कयलगेल हुनका कहब छल ।

“शिक्षित बनाबी, सशक्त बनाबी, सक्षम बनाबी, प्रत्येक बालिकाक हरेक महिनावारीकेँ सम्मान करी” कहैत सन्देशसहित सञ्चालन कएल गेल कार्यक्रम रोट्रयाक्ट क्लब बर्दिवासक अध्यक्ष सरोज गजमेरक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल छल। सन्देश अपने–आपमे एकटा सामाजिक अभियान जकाँ देखाइत अछि—जतय महिनावारीकेँ नुकावयबला विषय नहि भऽ बुझबाक, व्यवस्थापन करबाक आ सम्मान करबाक अवस्थाक रूपमे स्थापित करबाक प्रयास कएल गेल अछि।

तालिममे कनेक्सन नेपालक प्रशिक्षक सुशील कुमार कार्की आ कुमार भण्डारी सहजीकरण केने छलाह। प्रशिक्षणक क्रममे किशोरी सभकेँ महिनावारी स्वास्थ्यसम्बन्धी आधारभूत जानकारी, व्यक्तिगत सरसफाइ, संक्रमण सँ बचबाक उपाय, स्वच्छतासम्बन्धी व्यवहारिक अभ्यास आ महिनावारी व्यवस्थापनक विषयमे प्रशिक्षण देल गेल छल। विशेष कऽ दुवारा प्रयोग करय मिलयवला स्यानिटरी प्याड निर्माण तथा प्रयोगसम्बन्धी सीप सहभागी छात्राकेँ आर्थिक आ वातावरणीय दृष्टिकोण सँ सेहो उपयोगी विकल्पक विषयमे जानकारी देने अछि जे आयोजक जनौने अछि।

ग्रामीण तथा अर्धशहरी क्षेत्रमे महिनावारी सँ जुड़ल समस्या अखनो चुनौतीपूर्ण अछि। कतेको विद्यालयमे पर्याप्त शौचालय, पानि वा सरसफाइ सामग्रीक अभाव रहैत अछि तँ कतेको किशोरी सभ महिनावारीक कारण विद्यालय धरि छोड़यवला अवस्था सेहो देखल जाइत अछि। एहन अवस्थामे विद्यालयमे आधारित सचेतनामूलक तालिम किशोरी सभक आत्मविश्वास बढ़यबाक संगे नियमित अध्ययनमे सेहो सकारात्मक प्रभाव पाड सकयवला विश्वास कएल गेल अछि।

तालिममे सहभागी छात्रा सभक लेल ई कार्यक्रम केवल जानकारी हासिल करबाक अवसर मात्रै नहि छल, अपन जिज्ञासा खुलस्त राखबाक आ बहुत समय सँ मनमे रहल भ्रम हटेबाक अवसर सेहो बनल। महिनावारीक विषयमे खुजि कऽ छलफल करय पबैला सँ ओ सभमे संकोच कम हेबाक आ स्वास्थ्यप्रति जिम्मेवार बनबाक लेल प्रेरणा मिलत से अपेक्षा कएल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...