आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरीक जलेश्वरमे सोमदिन भोरमे यात्रीवाहक बसक ठक्करसँ एक गोटे वृद्ध पैदलयात्रीक मृत्यु भ गेल अछि। मृत्यु होबए बलामे जलेश्वर नगरपालिका–६ निवासी ७५ वर्षीय चन्देश्वर साह छथि।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) पञ्चलाल गोलेक अनुसार मटिहानीसँ जनकपुरतर्फ जाइत रहल ना४ख ४७५८ नम्बरक यात्रीवाहक बस जलेश्वर–२ स्थित मटिहानी चौकमे पैदलयात्री साहकेँ ठक्कर देने छल।
दुर्घटनामे गम्भीर घायल भेल साहकेँ उपचारक लेल जनकपुरधामस्थित प्रादेशिक अस्पताल लेल गेल छल। उपचारक क्रममे हुनक मृत्यु भेल प्रहरी जनौने अछि।
घटनाबारे प्रहरी आवश्यक अनुसन्धान आगाँ बढेने जनौने अछि।






