माधव पौडेल
वर्दिबास
कमला–ढल्केवर–पथलैया सडक योजना (पूर्वी खण्ड) आ SWEG–RCC Jv Lot–2 क सहयोग तथा बर्दिबास आँख अस्पताल बर्दिबासक प्राविधिक सहकार्यमे बर्दिबासस्थित शिव मन्दिर प्राङ्गण, औरही रोडमे सञ्चालन कएल गेल एकदिनक निःशुल्क आँख शिविर सम्पन्न भेल अछि ।
शिविरमे कुल १ सय ४६ गोरे सेवाग्राही आँख परीक्षण करौने छलाह । परीक्षण करौने सभमे ४२ गोटे महिला तथा १ सय ४ गोरे पुरुष रहल आयोजक जनेने अछि ।

शिविरमे अनुभवी नेत्र विशेषज्ञ डा. चन्दन कुमार सिन्हा सेवाग्राही सभक आँखक जाँच तथा परामर्श प्रदान कएने छलाह । आई भोर ९ बजे सँ साँझ ५ बजे धरि सञ्चालन भेल शिविरमे विभिन्न उमेर समूहक स्थानीय बासिन्दा सहभागिता जनौने छलाह । जाँच कएल गेल सभमे सँ अधिकांशक सुख्खा आँख (Dry Eyes) भेल कारणे सो सम्बन्धी दवाई सिफारिस कएल गेल छल।
शिविर मार्फत आँख सम्बन्धी समस्याक प्रारम्भिक पहिचान, आवश्यक परामर्श तथा थप उपचार आवश्यक भेल मरीजक अस्पतालमे सम्पर्क करबाक लेल सुझाव देल गेल छल । स्थानीय वाडमे रहनिहार विन्दा पोखरेल घरक नजदिक सँ विशेषज्ञ सेवा प्राप्त क सकलमे खुसी व्यक्त कएने छलीह ।
आयोजक संस्था एहन स्वास्थ्य सम्बन्धी सामाजिक कार्यक्रम सँ समुदायक स्वास्थ्य सचेतना अभिवृद्धि करबा मे महत्वपूर्ण योगदान पहुँचत से बिसवास व्यक्त कएने अछि ।






