आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिलाक जलेश्वर स्थित प्रादेशिक अस्पतालमे सेवा प्रवाहमे गम्भीर लापरवाही भेल अछि से सम्बन्धमे उजुरी आएलाक बाद मधेस प्रदेश सरकार चारि गोट स्वास्थ्यकर्मीकेँ तीन दिनक भीतर लिखित जवाफ पेश करबाक निर्देश देने अछि।
प्रदेश स्वास्थ्य आ जनसंख्या मन्त्रालय मेडिकल अधिकृत डा. शिखा अधिकारी, डा. सद्रे आलम, स्टाफ नर्स मन्दिका कुमारी यादव आ रन्जिता साहकेँ स्पष्टीकरण पत्र पठौने अछि।
अस्पतालमे उपचार नई भेटबाक कारणें मरीज अकालमे ज्यान गुमाबए पड़ल से आरोप करैत विभिन्न संघ–संस्थाक प्रतिनिधि लोकनि मंगलदिन मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंहकेँ ज्ञापनपत्र बुभौने छलाह। ओहि बाद मुख्यमन्त्री सिंह तत्काल छानबिन कईक कारबाही प्रक्रिया आगे बढ़ाबैक निर्देश मन्त्रालयकेँ देने छलाह।
मन्त्रालयक अनुसार, प्रारम्भिक अनुगमन आ पुछताक दौरान सेवाग्राहीकेँ स्वास्थ्य सेवा नई देने गेल, आचारसंहिता पालन नई भेल आ कार्य सम्पादनमे ढिलासुस्ती भेल प्रमाण भेटल अछि। मन्त्रालयद्वारा पठाओल पत्रमे कहल गेल अछि – “३ दिनक भीतर स्पष्ट जवाफ नई आएत त कारबाही प्रक्रिया आगे बढ़ाओल जएत।”
प्रदेश निजामति सेवा ऐनक दफा ८६क प्रावधानअनुसार, सेवाप्रवाहमे जानबुझिक लापरवाही करनिहार वा ढिलासुस्ती करैत सेवाग्राहीकेँ क्षति पहुँचेनिहार कर्मचारी विरुद्ध कारबाही होए सकैत अछि।
एहि क्रममे मधेस प्रदेशक स्वास्थ्य मन्त्री शत्रुधन प्रसाद सिंह चेतावनी देलन अछि जे सेवाप्रवाहकेँ कमजोर बनबैत, पदअनुसार कार्यक्षमता नई देखबैत वा लापरवाही करनिहार कर्मचारीकेँ कारबाहीसँ बचाओल नहि जएत। मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालय सेहो स्पष्ट करलनि अछि जे प्रदेश सरकार मातहत कोनो निकायमे एहि किसिमक उदासीनता सहन नई कएल जएत।





































