आज्ञा खबर
जनकपुरधाम,
दहेजके विषयमे करिब १८ साल पहिने महिलाकेँ धरगर हतियारसँ हत्या कएल आरोपीकेँ शुक्रदिन सिरहा प्रहरी गिरफ्तार कएने अइछ। सिरहाक बरियारपट्टी गाउँपालिका–५ निवासी २५ वर्षीय चन्द्रिकादेवी रायकेँ हत्या क भागल स्थानीय ६० वर्षीय रामनाथ रायकेँ गिरफ्तार कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेशबहादुर पाल जानकारी देलैन।
दहेजक विषयमे २०६५ साल भादब ३ गते भोर ९ बजेदिस चन्द्रिकाके पति बौधा राय लगायत तीन गोटे चन्द्रिकापर धरगर हतियार प्रहार कएने छल। गम्भीर घायल चन्द्रिकाके बिहारके पटनामे इलाज नै भ सकलाक बाद फेर धरान स्थित बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान दिस लय जाएत काल मृत्यु भेल छल। घटनाके बाद भागल रामनाथ रायकेँ गामेसँ गिरफ्तार कएल गेल आ आओर अनुसन्धान भ रहल प्रहरी नायब उपरीक्षक पाल कहलैन।
