कोशी नदीके बहाब बढ़ल, प्रशासनद्वारा ब्यारेज अनुगमन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

सप्तरी

सप्तकोशी नदीमे बहाब बढ़ैत गेलाक बाद सुनसरी प्रशासन विपद् प्रतिकार्यकेँ तैयारी करबाक लेल प्रमुख जिला अधिकारी वासुदेव घिमिरेसहित सुरक्षा निकायके प्रमुखके टोली कोशी ब्यारेजके स्थलगत अनुगमन केलक अइछ । कोशी ब्यारेजमे पाइनके प्रवाह प्रतिसेकेन्ड एक लाख ५१ हजार १९५ क्युसेक पहुँचल छै । ब्यारेजके २० टा गेट खोलल गेल छै । कोशीमे जलप्रवाह प्रतिसेकेन्ड एक लाख ५० हजार क्युसेक भेलाक बाद उच्च सतर्कताक लेल ललका बाैल बारल जाइछ छै ।

अनुगमनके बाद प्रमुख जिला अधिकारी घिमिरे बाइढ़, डुबान तथा कटानके जोखिमकेँ मध्यनजर करैत जिलामे विपद् प्रतिकार्य योजना कार्यान्वयनमे रहल बतौलैन । ओ विपद् व्यवस्थापनमे संलग्न सब निकायके जिमेवारी स्पष्ट रूपमे निर्धारण कएल गेल तथा आवश्यक कार्यविधि सेहो तैयार कएल गेल जानकारी देलैन अइछ ।

प्रमुख जिला अधिकारी घिमिरे कोशी ब्यारेज पुल तथा कमजोर तटबन्धके मर्मत कएल गेल जानकारी दैत बाइढ़के कारण कटान वा तटबन्धमे क्षति भेलापर सम्बन्धित आयोजना, जिला प्रशासन आ सुरक्षा निकाय तत्काल तैयारी अवस्थामे रहल हुनकर कहब छैन । अनुगमनमे जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरीक प्रहरी प्रमुख केशव कुमार थेबे, राष्ट्रिय अनुसन्धान जिला कार्यालय सुनसरीक उपअनुसन्धान निर्देशक विमल घिमिरेसहित सुरक्षा निकायके प्रतिनिधिके सहभागिता छल । – रासस

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...