निःशुल्क प्रवेशके विरोधमे विवाह मण्डप आ सङ्ग्रहालय बन्द

[sharethis-inline-buttons]

 आज्ञा खबर

धनुषा

जनकपुरधामस्थित ऐतिहासिक विवाहमण्डप आ जानकी मन्दिर परिसरमे रहल सङ्ग्रहालय (म्युजियम) मङ्गलदिनसँ बन्द कएल गेल अइछ ।

मधेश प्रदेशक गृहमन्त्री फकीरा महतो धनुषा जिला प्रशासनसँ परामर्श कएने बिना दूनु स्थानमे निःशुल्क प्रवेशके व्यवस्था करबाक लेल निर्देशन देने कहैत विरोधस्वरूप विवाह मण्डप तथा सङ्ग्रहालय बन्द कएल गेल प्रशासन जनौलक अइछ । विवाहमण्डप आ सङ्ग्रहालय बन्द भेलाक बाद अवलोकनके लेल पहुँचल स्वदेशी तथा विदेशी पर्यटक एवं दर्शनार्थी प्रभावित भेल अइछ । उक्त विषयमे मधेश प्रदेश सरकारक आधिकारिक धारणा सार्वजनिक नै भेल अइछ ।

विवाहमण्डप तथा सङ्ग्रहालय प्रशासन वार्ता आ सहमतिके आधारमे समस्या समाधान नै भेल तँ थप आन्दोलनके कार्यक्रम सार्वजनिक करबाक सङ्ग्रहालय प्रशासन जनौलक अइछ । जानकी मन्दिरके महन्थ रामतपेश्वर दास विवाहमण्डप निर्माण सम्पन्न भेलाक बादसँ मन्दिर व्यवस्थापसहित कर्मचारीके सेवा सुविधा टिकट खर्चसँ होइत आएल कहैत मन्त्री महतो सब टिकट उठौलाक बाद सङ्ग्रहालय बन्द कएल गेल बतौलैन ।

ओ कहलैन, “आवश्यक परामर्श आ सहमतिविना कएल गेल निर्णय स्वीकार्य नै अइछ । समस्या समाधान नै भेल तँ थप आन्दोलन हएत ।” जनकपुरधामके ऐतिहासिक विवाहमण्डप आ जानकी मन्दिर परिसरस्थित सङ्ग्रहालय धार्मिक, सांस्कृतिक तथा पर्यटकीय दृष्टिसँ महत्वपूर्ण सम्पदाके रूपमे परिचित अइछ । ––– रासस

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...