आज्ञा खबर
धनुषा
धनुषामे मनसुन सक्रिय भेलोपर पर्याप्त वर्षा नै भेलासँ धान रोपनी प्रभावित भेल अइछ। समयमे पाइन नै पड़लासँ खेत फाटए लागल छै । सिँचाइ सुविधा नै भेल क्षेत्रके किसानसभ चिन्तित भेल छैथ। अखारके अन्तमे सेहो पर्याप्त वर्षा नै भेलासँ अधिकांश किसानद्वारा तैयार कएल गेल धानके बिरार खेतमे पियर भ रहल छै।
सिँचाइके सुविधा नै भेल गाममे किसान वर्षाके भरमे खेती भेलासँ अइ वर्ष धान उत्पादन घटबाक चिन्ता बढ़ल अइछ। लक्ष्मीनियाँ गाउँपालिकाके किसान गोविन्द यादव समयमे वर्षा नै भेलासँ रोपनी नै भ सकल कहलैन। ओ धानक बिरार तैयार भेलोपर खेतमे पाइन नै भेलासँ रोपनी रुकल आ किछु दिनमे वर्षा नै भेलापर बिरार नष्ट होएबला अवस्थामे रहल बतौलैन। दोसर किसान रामजीवन साह मोटरसँ सिँचाइ कएलापर इन्धन आ विद्युत् खर्च बेसी होइ छै ।
तँए सब किसानक लेल एहन व्यवस्था सम्भव नै छै से कहैत छैथ। जिलाक कतेको स्थानमे रोपनी होएब बाँकीए छै। पर्याप्त वर्षा नै भेलापर अइ वर्ष धान उत्पादनमे उल्लेख्य कमी आइब सकबाक हुनकासभक अनुमान अइछ। किसान दीर्घकालीन सिँचाइके व्यवस्था, कृषि उपकरणमे सहुलियत आ अन्य राहत कार्यक्रम संचालन करए लेल सरकारसँ माँग कएने छैथ। क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिकाके किसान रामरूप दास सेहो वर्षा नै भेलासँ खेतीमे बहुते कठिन भेल कहलैन। ओ मोटर आ दमकलसँ एक बिघा खेतमे धान रोपयमे सफल भेलोपर एखनो तीन बिघा जमिनमे पड़ती परल जानकारी देलैन।
