आज्ञा खबर
काठमाण्डू
वीरगञ्ज भंसार कार्यालय गेल आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे दू खर्ब ४३ अरब ८२ करोड़ टका राजस्व संकलन कएने अइछ। कार्यालय वितल आर्थिक वर्षमे वार्षिक लक्ष्यक ८९ दशमलव १९ प्रतिशत राजस्व संकलन कएने सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट जानकारी देलैन। कार्यालयके लेल दू खर्ब ७३ अरब ३७ करोड़ राजस्व संकलनके लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल।
भंसार विभाग वर्षभैरमे देशके सब भंसार कार्यालयसँ पाँच अरब ८८ अरब २५ करोड़ टका राजस्व संकलन करबाक लक्ष्य राखने छल। विभागक कुल वार्षिक लक्ष्यमे वीरगन्ज कार्यालयक योगदान ४१ दशमलव ४५ प्रतिशत अइछ। कार्यालय चालु आवक साओनमे १८ अरब ४४ करोड़ टका, भादबमे २० अरब ७४ करोड़ टका, आसिनमे १९ अरब नौ करोड़ टका, कातिकमे १७ अरब ३३ करोड़ टका, अगहनमे २० अरब ८० करोड़ टका राजस्व संकलन कएने छल।
पुसमे २० अरब २० करोड़ टका, माघमे १८ अरब ९२ करोड़ टका, फागुनमे १९ अरब ३४ करोड़ टका, चैतमे २२ अरब ८२ करोड़ टका, वैशाखमे २१ अरब ७४ करोड़ टका, जेठमे २२ अरब ३२ करोड़ टका आ अखारमे २२ अरब चाइर करोड़ टका राजस्व संकलन कएने अइछ। — रासस
