मधेश प्रदेशमे करिब ३३ अरब राजस्व संकलन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

मधेश प्रदेश सरकार आर्थिक वर्ष २०८२/८३मे लक्ष्यके ७० प्रतिशत राजस्व संकलन कएने अइछ। अर्थ मन्त्रालयक अनुसार गेल आवमे ३२ अरब ८८ करोड़ ६० लाख ११ हजार टका राजस्व संकलन कएने अइछ। जाहिमेसँ आन्तरिक राजस्व संकलन पाँच अरब ७६ करोड़ ५६ लाख २४ हजार टका रहल अर्थ मन्त्रालयक तथ्याङ्क अधिकृत राजेन्द्र आचार्य जानकारी देलैन। प्रदेश सरकार घरजमीन रजिष्ट्रेशनसँ एक अरब ७७ करोड़ ९५ लाख २२ हजार टका आ सवारी साधन करसँ दू अरब २७ करोड़ ८० लाख ९७ हजार टका राजस्व संकलन कएने अइछ।

वितल आवमे सवारी चालक अनुमति पत्र वितरण तथा सवारी दर्ता दस्तुरसँ ७९ करोड़ ५६ लाख २९ हजार टका, यातायात क्षेत्रक आम्दनीसँ १२ करोड़ ६३ लाख ९२ हजार टका, दहत्तर बहत्तरके बिक्रीसँ २० करोड़ १५ लाख ७३ हजार टका राजस्व संकलन भेल अइछ। प्रदेश सरकार बाँडफाँटसँ प्राप्त होएबला मूल्य अभिवृद्धि कर बापत आठ अरब ८६ करोड़ ८५ लाख छ हजार, अन्तःशुल्क कर बापत तीन अरब २० करोड़ ४३ लाख ९१ हजार प्राप्त कएने अइछ।

ओहिना संघीय सरकारसँ प्राप्त होएबला समानीकरण अनुदान अन्तर्गत सात अरब छ करोड़ १६ लाख ७८ हजार, सशर्त अनुदान चालु दिस दू अरब १७ करोड़ २७ लाख ७२ हजार, सशर्त पुँजीगत दिस एक अरब ५६ करोड़ ३० लाख ४० हजार प्राप्त भेल तथ्याङ्क अधिकृत आचार्य कहलैन।

आर्थिक तरलताक कारण घरजमीन तथा नवका सवारी साधन खरिद बिक्री कारोबारमे आएल कमी, भादब २३ आ २४ गतेके जेजनी आन्दोलनमे प्रदेश सरकारक राजस्व संकलन निकायमे पहुँचल क्षतिके कारणसँ अपेक्षाकृत राजस्व संकलन भ नै सकल अर्थ मन्त्रालयक सूचना अधिकारी अंश कुमार झाके कहब अइछ। रासस

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...