आज्ञा खबर
बर्दिवास
मधेश प्रदेशक पूर्व मुख्यमन्त्री आ जनमत पार्टीक नेता सतीशकुमार सिंह प्रदेशसभा सदस्य पद सँ इस्तीफा देलक छथि। ओ जनकपुरधाम स्थित मधेश प्रदेशसभा सचिवालय पहुँचि कऽ प्रदेशसभाक सभामुख रामआशिष यादव समक्ष अपन इस्तीफा पत्र बुझौने छथि।
प्रदेशसभा सचिवालयमे दर्ता भेल इस्तीफा पत्रमे सिंह नेपालक संविधान २०७२ क धारा १८० (क) आ प्रदेशसभा कार्य सञ्चालन नियमावली २०७५ क नियम १८४ (१) अनुसार अपन प्रदेशसभा सदस्य पद सँ इस्तीफा देबाक स्पष्ट उल्लेख कएने छथि।
जनमत पार्टी सँ सप्तरी जिलाक प्रदेशसभा निर्वाचन क्षेत्र नम्बर २ (क) सँ निर्वाचित सिंह अपन इस्तीफा आईए सँ लागू होएबाक उल्लेख कएने छथि, जेकर जानकारी प्रदेशसभा स्रोत देलक अछि।
इस्तीफा पश्चात् प्रदेशसभा सदस्यक हैसियत समाप्त होयत आ ओ क्षेत्रमे उपनिर्वाचनक प्रक्रिया आगू बढ़बाक सम्भावना रहल बताओल गेल अछि।
