बिबाह पंचमी महोत्सवक तयारी तीव्र बनाबकलेल जनकपुरधाममे सर्वदलीय बैठक

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
मिथिलाक ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक पर्व बिबाह पंचमी महोत्सव नजिक आबि रहल छै। एहि अवसर पर जनकपुरधाममे तैयारिक गति तीव्र भऽ गेल छै। बृहश्पतदिन जानकी मन्दिर परिसरमे भेल सर्वदलीय आ सर्वपक्षीय बैठकमे एह वर्षक महोत्सवकेँ ओर भव्य आ सुव्यवस्थित रूपमे मनाबयक निर्णय लेल गेल।

बैठकमे जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्त रामरोशन दास सात दिन धरि चलयवाला कार्यक्रमक रूपरेखा प्रस्तुत केलन। हुनक अनुसार अयोध्या सँ आबयवाला बरयातीक स्वागत, सत्कार आ आवासक व्यवस्थापन लगभग पूरा भऽ गेल अछि। हुनक कहबाक अनुसार, अघन ४ गते नगर दर्शन, ५ गते फूलबारी लीला, ६ गते धनुष यज्ञ, ७ गते तिलकोत्सव, ८ गते मटकोर, आ ९ गते स्वयंवर संग विवाह समारोह आयोजित होयत। मंसिर १० गते रामकलेवा विधि सम्पन्न कय बरयातीक विदाई देल जायत।

महन्त दासक कहल अनुसार, तैयारिक कार्य केँ सहज आ प्रभावकारी बनब लेल एह वर्ष सेहो विभिन्न उप–समितिक गठन केल गेल अछि। ओ कहलन — “हमसभक लक्ष्य अछि जे एहि बेरक महोत्सवकेँ सब पक्षक सहयोग सँ आओर सुव्यवस्थित आ आकर्षक बनाबी।”

बैठकमे बड़ महन्त राम तपेश्वर दास वैष्णव देशमे चल रहल राजनीतिक अस्थिरता आ आन्दोलनक प्रसंगमे सभकोए संयम बनकलेल आग्रह केलन। ओ कहलन — “जनकपुरधाम शान्ति आ भक्तिक भूमि अछि। समस्या वार्ता आ सहमतिक माध्यम सँ समाधान करबाक चाही, हिंसा सँ कखनो किछु उपलब्धि नहि भेटैत।”

नेपाल–भारत दुनू देशक भक्तजन लेल आकर्षणक केन्द्र मानल गेल बिबाह पंचमी महोत्सवमे प्रति वर्ष लाखों श्रद्धालु सहभागी होइत छथ। जनकपुरधाममे एहि अवसर पर धार्मिक झाँकी, सांस्कृतिक प्रस्तुति आ मिथिलाक परम्पराक विभिन्न झलक देखबाक अपेक्षा रहैत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...