मोटरसाइकलके ठोक्करसे बच्चीके मृत्यु, स्थानिय लोकनि हुलाकी राजमार्ग अवरुद्ध केलन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
महोत्तरी
महोत्तरीक औरही नगरपालिका–४ कटुधारमे बुधदिन दुपहर मोटरसाइकलके ठोक्करसँ १० वर्षीया बच्ची शिवानी यादवके मृत्यु भेलाक बाद स्थानिय लोकन हुलाकी राजमार्गके अवरुद्ध केलन।

स्थानीय सन्ध्या यादवसँ साइकलमे सवार बच्चीके कारी ज्याकेट पहिरने व्यक्ति सवार मोटरसाइकल ठोक्कर देलक। ठोक्करबाद गंभीर रूपसँ घायल भेल शिवानीके उपचारक लेल जानकी एकेडमिक अस्पताल लायल गेल, मुदा उपचारक क्रममे बुधदिन राईतमे हुनकर मृत्यु भऽ गेल, एहि बारेमे महोत्तरी प्रहरी प्रवक्ता डिएसपी शैलेन्द्र भट्ट जानकारी देलनि।

ठोक्क देनिहार मोटरसाइकल आ चालक एखन फरार छथि। प्रहरी हुनक खोजी जारी रखने छथि।

यहिक्रममे मृत बच्चीक परिवार आ स्थानिय लोकनि दोषीक खोजी आ कारबाहीक मांग करैत बृहश्पत दिन शुबह ११ बजे सँ हुलाकी राजमार्ग अवरुद्ध केने छलथि।

ओकर बाद इलाका प्रहरी कार्यालय गौशालामे मृतक परिवार, औरही नगरपालिकाक पूर्व नगर प्रमुख सुनिल कुमार यादव आ स्थानीय लोकनि बीच भेल वार्ताकेबाद एक महिनाक भीतर दोषीक पता लगाकऽ कारबाही प्रक्रिया आगू बढ़ेबाक आ सडक क्षेत्रमे सीसीटीभी क्यामेरा लगेबाक सहमति भेलाक बाद स्थानिय लोकनि सड़क अवरुद्ध खोलबाक निर्णय लेलथिन।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...