मधेस प्रदेशक मुख्यमन्त्री सोनल २२ कातिकक दिन विश्वासक मत लेबेवाला अछि

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
मधेस प्रदेशक मुख्यमन्त्री जितेन्द्र सोनल एही २२ कातिकक दिन प्रदेशसभासँ विश्वासक मत लेबाक घोषणा केने छथि। ओ कहलथिन जे गठबन्धन दलसभक सहमतिक बादे विश्वासक मत लकऽ सरकारक विस्तार कएल जाएत।

प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारी ३० आसिननक दिन सोनलक संविधानक धारा १६८(२) अनुरूप मुख्यमन्त्री नियुक्त केने छलीह। ओ लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा)क तर्फसँ दाबी पेश केने रहथिन। सोनलक पक्षमे जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक १९, जनमत पार्टीक १३, नेकपा (माओवादी केन्द्र)क ९आ नेकपा (एकीकृत समाजवादी)क ८ सांसद समर्थन देने रहथिन।
मुदा मुख्यमन्त्री नियुक्त भलाक किछु दिन बादे सोनल सरकार राजनीतिक अनिश्चिततामे फँसल रहल जनमत पार्टीक दु सांसद जनस्वराज पार्टीक पच्छमे खडा,भ गेलथिन आ जसपाक सांसद सरोजकुमार सिंह भ्रष्टाचार मामलामे गिरफ्तार भऽ गेलथिन, जई कारण सँ सरकारक बहुमत घटि गेल।

मुदा गेल शुक्रक दिन सर्वोच्च अदालत जनमत पार्टी विभाजनक मामलामे ‘यथास्थितिमे राखबाक’ आदेश देने सँ स्थिति फेर सोनलक पक्षमे आएल। एहि आदेशक बाद पूर्व मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह आ त्रिभुवन साह पर फेर जनमत पार्टीक ह्वीप लागू भऽ गेल आ सरकार फेर सँ सुरक्षित भऽ गेल अछि।

मुख्यमन्त्री सोनल नागरिक उन्मुक्ति पार्टी आ नेपाल संघीय समाजवादी पार्टीसँ सेहो विश्वासक मत लेल सहकार्यक प्रयास कऽ रहल छथि। दुनू पार्टीक एक–एकटा सांसद अछि। सोनलक अनुसार, दुनू दलसभ विश्वासक मतमे समर्थन देबाक आश्वासन देने अछि।

विश्वासक मतक बादे सरकारक विस्तार होएत
सोनलक पदभार ग्रहण कएलक दुई साप्ताह भऽ गेल मुदा मधेस सरकार एखन धरि मन्त्रिपरिषद्क विस्तार नहि कऽ सकल अछि। अखन धरि जनमत पार्टीक संसदीय दलक नेता मधेशप्रसाद यादव आ नेकपा (एस)क कनिष पटेल मात्र मन्त्रीक शपथ लेने छथि, मुदा हुनका सभक विभागीय जिम्मेदारी एखन धरि निर्धारित नहि भेल अछि।

मुख्यमन्त्री सोनलक कहल अनुसार, अखन गठबन्धन दलसभक बीच मंत्रालय बँटवारा पर अन्तिम सहमति बाकि अछि, से कारण सँ विश्वासक मत लऽ बादे मन्त्रीसभक जिम्मेदारी देल जाएत। ओ कहलथिन – “गठबन्धन दलसभक बीच मंत्रालय बाँटबाक विषय अन्तिम चरणमे अछि। विश्वासक मत भेटिते सभ दलसभक सहमति अनुसार सरकार विस्तार कएल जाएत।”

लोसपा स्रोतक अनुसार, प्रदेशसभामे १० दलमे सँ ७ दल अखन सोनल नेतृत्वक सरकारक समर्थनमे छथि। गठबन्धन दलसभक बीच मंत्रालय बँटवारा कऽ प्रारम्भिक रूपरेखा सेहो तय भऽ गेल अछि।

ताहि अनुसार, लोसपाके मुख्यमन्त्रीसहित एक मंत्रालय, जसपा नेपालके तीन मंत्रालय (भौतिक पूर्वाधारसहित), जनमत पार्टीके तीन मंत्रालय (अर्थ मन्त्रालयसहित), माओवादी केन्द्रके दुई मंत्रालय, नेकपा (एकीकृत समाजवादी)के एक मंत्रालय, आ नागरिक उन्मुक्ति तथा नेपाल संघीय समाजवादी पार्टीके अदलीबदली आधारपर एक मंत्रालय देबाक सहमति भेल अछि।

एहिना गठबन्धन दलसभक सहकार्यक बल बढ़बैत मुख्यमन्त्री सोनल आब आगामि साप्ताह विश्वासक मत लऽ सरकारके पूर्णता देबाक तैयारीमे छथि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...