विश्व खाद्य दिवस पर मथिला प्रदेशक आठ उत्कृष्ट किसानके सम्मान

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
विश्व खाद्य दिवसक अवसर पर मथिला (मधेश) प्रदेश सरकार आठ जिलाक उत्कृष्ट किसानसभके नगद, दोसल्ला आ सम्मानपत्रसहित सम्मान कएलक अछि।
भूमि व्यवस्था, कृषि आ सहकारी मन्त्रालयक अधीनक कृषि विकास निर्देशनालय द्वारा “स्वच्छ भोजन आ सुखद भविष्य लेल हाथेमालो” एहि नाराक संग शुक्रदिन जनकपुरधाममे आयोजित कार्यक्रममे खेत–बारी आ उत्पादनमे उल्लेखनीय योगदान दएबला किसानसभके सम्मान देल गेल।

मन्त्रालयक सचिव डा. उमेश दाहाल धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा, पर्सा, सिरहा आ सप्तरी सँ चयन कएल आठ किसानसभके २५ हजार रुपैयाँ नगद, दोसल्ला आ सम्मानपत्र प्रदान कएलक। हुनक अनुसार, ई किसानसभ अपन क्षेत्रमे खेतीक विविध विधि आ नव–प्रविधिक प्रयोगसँ उत्पादन वृद्धिके उल्लेखनीय उदाहरण प्रस्तुत कएलक अछि।

सम्मानित किसानसभमे धनुषा मिथिला नगरपालिका–८क तरकारी किसान छविलाल महतो, महोत्तरी पिपरा–४क दलहन किसान अरुण ठाकुर, सर्लाही वागमती नगरपालिका–११क मधुमख्ीपोषक मणि प्रसाद पाण्डे, रौतहट कटहरिया–५क धान किसान रामसिंह राय यादव, बारा जितपुरसिमरा–१८क मकै किसान विनिता गौतम, पर्सा विन्दवासिनी–४क ५च्याउ उत्पादक सुजीत कुमार चौरसिया, सिरहा नगरपालिका–२क बीज उत्पादक बलराम यादव, आ सप्तरी अग्नीसाइर कृष्णासवरण–२क किसान महावीर प्रसाद चौधरी शामिल छलाह।

कार्यक्रममे बोलैत सचिव दाहाल कहलनि जे, मथिला प्रदेश केवल अन्नक भंडार मात्रै नहि, बल्कि खाद्य उत्पादनक अग्रणी केन्द्र बनबाक दिशा मे आगुबढ रहल अछि आ एहि कार्यमे ई किसानसभक भूमिका अत्यंत महत्वपूर्ण अछि।
हुनक कथन अनुसार — “स्थानीय उत्पादनके प्रोत्साहन मेहम देशक सभ नागरिक लेल पर्याप्त खाद्यान्न सुनिश्चित कए सकैत छी। समृद्ध आ आत्मनिर्भर मथिला निर्माणमे किसान आ सरकार दुनूके संयुक्त प्रयास आवश्यक अछि।”

ओहि अवसर पर निर्देशनालयक प्रमुख जितेन्द्र यादवक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल कार्यक्रममे मन्त्रालयक महाशाखा प्रमुख डा. सरोज चौधरी, खाद्य प्रविधि आ गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरक प्रमुख विमल दाहाल, आ खाद्य आ पोषण सुरक्षा सुधार आयोजना धनुषाक प्रमुख रविलला शर्मा आदिके वक्ता सभ अपन–अपन धारणा राखलनि।
ओहि कार्यक्रमसँ मथिला प्रदेशमे कृषिस समर्पित किसानसभक योगदानके औपचारिक रूपसँ पहिचान देल गेल आ कृषि क्षेत्रके व्यावसायिकता आ आत्मनिर्भरता दिस आगू बढ़बाक सन्देश देल गेल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...