आज्ञा खबर
बर्दिवास
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोजकुमार यादव आब प्रदेशमे दीर्घकालीन प्रभाव परेबला नीतिगत निर्णय नई लिए सकत। सर्वोच्च अदालत मुद्दा फेसला नईहोईत धरि एहि प्रकरक निर्णय लेबाकक रोक लगबैत अंतरिम आदेश जारी केने अछि।
बुधदिन न्यायाधीश टेकप्रसाद ढुंगानाक एकल इजलास सुविधा आ संतुलनक आधार पर मुख्यमन्त्री यादवकेँ प्रदेश सरकारक नाम पर दीर्घकालीन नीति, कार्यक्रम, बजेट आ संरचनागत परिवर्तन जेकाँ काज नई करबाक निर्देश देने अछि। ई आदेश रकिप्रसाद साह आदिक द्वारा दायर रिट निवेदन पर सुनवाईक बाद देल गेल।
यादवके संविधानक धारा १६८(३) बमोजिम गत रबिबार प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारीक द्वारा सबसँ बडका दलक हैसियत पर मुख्यमन्त्री नियुक्त कएल गेल छल। मुदा एहि नियुक्ति पर विभिन्न दलसभ राजनीतिक आ कानूनी सवाल उठौने छथि।
नियुक्तिक बाद सोमबार शुबह बर्दिवास स्थित पानस होटलमे गोपनीय तरिकासँ शपथ ग्रहण कार्यक्रम सम्पन्न भेल, जईसँ राजनीतिक तापक्रम आरो बढ़ल। एहि कदमक आलोचना तीव्र भेलाक बाद प्रदेश प्रमुख भण्डारीकेँ मन्त्रिपरिषदक सिफारिश पर राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल पदमुक्त केने छलाह। वर्तमानमे सुरेन्द्र लाल कर्ण नवीन प्रदेश प्रमुखक रूपमे कार्यभार सम्हारने छथि।
आब रिटक अन्तिम फैसला होइक बेरधरिक मुख्यमन्त्री यादव ‘कार्य सञ्चालन के सीमित’ भूमिका मे रहथिन। अदालतक आदेश प्रदेश सरकार गठन प्रक्रियासँ जुड़ल राजनीतिक विवादकेँ आब आरो संवेदनशील बनौने अछि।





































