बारागढी–के अध्यक्ष निरज साह तेली के निधन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बारा
बारागढी गाउँपालिका के अध्यक्ष निरज साह तेली के बृहश्पत राईत निधन भ’ गेल अछि। ४६ बरखक तेली दीर्घ दिन सँ क्यान्सर सँ पीडÞित रहलथिन आ वीरगंज स्थित नेसनल मेडिकल कलेजमे उपचार के क्रममे हुनकर मृत्यु भ’ गेल।
तेली के काका आ बारा उद्योग वाणिज्य संघ के अध्यक्ष राजकुमार साह के अनुसार पछिला किछु महीना सँ हुनकर स्वास्थ्य अवस्था कमजोर होइत गेल रहए। डॉक्टरक निरन्तर उपचारक बाबजूदो हुनका बचाओल नहि जा सकल।
तेली स्थानीय राजनीति मे सक्रिय आ परिचित व्यक्ति रहथिन। स्थानीय सरकार के पहिल कार्यकालमे ओ जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) सँ वडा अध्यक्ष बनल रहथिन, आ दोसर कार्यकालमे नेपाली कांग्रेसक टिकट सँ गाउँपालिकाक अध्यक्ष पदमे पुनः निर्वाचित भयल रहथिन।
ओ सामाजिक सेवा मे सेहो सदैव अग्रसर रहथिन। स्वास्थ्य आ पूर्वाधार विकासक कार्यक्रम आगू बढ़ेबामे हुनकर योगदान उल्लेखनीय रहल।
ओ अपन पाछाँ पत्नी, दुटा बेटी आ एक बेटा छोडक गेलथिन।
स्थानीय लोकनि हुनकर निधन पर गहिर दुख व्यक्त कए रहल छथि आ हुनका सेवाभावी जनप्रतिनिधि केर रूपमे याद कए रहल छथि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।