बर्दिवास नगरपालिकाक भीतर अपराध नियन्त्रणमे पुलिसक भूमिका

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

महोत्तरी जिलाक सुदूर उत्तर दिसक प्रवेश द्वार मानल जाएबला बर्दिवास नगरपालिका आर्थिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक दृष्टि सँ तीव्र गतिमे विकसित होइत आईब रहल शहर अछि। पूर्व–पश्चिम राजमार्ग आ मधेस–पहाड़ जोड़य बला लोकमार्गक संगमस्थल सेहो बर्दिवास हेबाक कारणें एकर भौगोलिक आ रणनीतिक महत्व और बेसी अछि। मुदा, शहरक विकासक संगहि एतय आपराधिक गतिविधिमे सेहो विविधता देखाय लागल अछि। चोरी–डकैती, ठगी, सवारी दुर्घटना, लागूपदार्थ दुरुपयोग आ कारोबार, घरेलु हिंसा, महिला–बालबालिकासँ सम्बन्धित हिंसा, देह व्यापार जेकाँ घटना समय–समय पर सतहमे आबैत रहैत अछि। ई चुनौतीकेबीच बर्दिवास नगर केँ सुरक्षित आ शान्त बनायबमे पुलिसक भूमिका निर्णायक मानल जाएत अछि।

ई सभ विषय केँ मध्य नजर राखैत बर्दिवासस्थित इलाका प्रहरी कार्यालय पछिला किछु वर्षसँ अपराध नियन्त्रण केँ प्राथमिकतामे राखिक विभिन्न रणनीति अपनौलक अछि। नियमित गस्ती, विशेष संदेहास्पद स्थान पर निगरानी, आकस्मिक चेकिङ, हुलाकी राजमार्ग आ प्रमुख बजारमे सिसीटिभी कैमरा प्रयोग, विद्यालय आ समुदाय स्तर पर सचेतनामूलक कार्यक्रम संचालन करैत एतयक पुलिस सक्रिय देखाइत अछि।

विशेषक,क लागूपदार्थ नियन्त्रणमे बर्दिवास पुलिस कठोर कदम उठौलक अछि। सीमावर्ती जिलासँ बर्दिवास होइत काठमांडू, पोखरा जेकाँ ठाम तक लागूपदार्थ पहुँचि सकबाक सम्भावनाक ध्यानमे राखिक पुलिस विशेष निगरानी बढौलक अछि। पछिला समय इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवासक प्रहरी नायब उपरीक्षक विकास बमक नेतृत्वमे विशेष संख्यामे लागूपदार्थसहित युवाक गिरफ्तारी करक कारबाई प्रक्रियामे ल्याबक तथ्यांक सार्वजनिक भेल अछि।

पुलिस मात्रेके प्रयाससँ अपराध नियन्त्रण सम्भव नई होबाक बोध करैत बर्दिवास पुलिस समुदायसँ सहकार्य केँ विशेष महत्व देलक अछि। सामुदायिक आ संस्थागत विद्यालयमे सचेतनामूलक कक्षा, महिला समूहक संग अन्तक्र्रिया, नगरपालिकाक वडा स्तरक बैठकमे सहभागिता, रात्रीकालीन गस्तीमे स्थानीय युवाक सहयोग लेबाक गतिविधि समुदाय–पुलिस साझेदारीक उदाहरण अछि।

ओइ तरहें “पुलिस नागरिकक साथी” अभियानक माध्यनजर करेत पुलिस नागरिकसँ प्रत्यक्ष सम्पर्क कायम करबाक अभ्यास करहल छै। एकरा सँ अपराध रोकथाममे सहयोग भेटैत अछि आ पुलिस आ नागरिकबीच विश्वास आ आत्मीयता सेहो बढैत अछि।

बर्दिवासमे अपराध नियन्त्रणमे पुलिस सक्रिय रहेतहुँ किछु चुनौती यथावत अछि। जनसंख्या तीव्र रूपसँ बढैत गेला पर अपराधक स्वरूप सेहो बदईल रहल अछि। अनियन्त्रित बसोबास, बेरोजगारी, गरिबी, सीमापारक आपराधिक सञ्जाल, आ डिजिटल अपराध जेकाँ चुनौतीसँ पुलिसक लेल अपराध नियन्त्रण सहज नहि अछि।

ओकरा संगहि पर्याप्त जनशक्ति अभाव, अत्याधुनिक उपकरण आ पूर्वाधारक कमी सेहो पुलिसक लेल कठिनाइ बनौने अछि। उदाहरण स्वरूप, पर्याप्त संख्यामे सिसीटिभी कैमरा जडान नई भेला, अपराध अनुसन्धान लेल आवश्यक प्राविधिक प्रयोगशालाक सुविधा नई हेब, सीमित सवारी साधन आ कार्यालयमे कम दरबन्दी पुलिस होएबाक कारण अपराध नियन्त्रण आउर सशक्त बनेनाइ कठिन अछि।

एहि क्रममे बर्दिवास केँ अपराधमुक्त शहर बनाबै लेल दीर्घकालीन दृष्टिकोण अनुसार पुलिस किछु नवीन पहल सुरु करबाक योजना बनौलक अछि। सार्वजनिक स्थल पर सिसीटिभी कैमरा जडान, डिजिटल अपराध (साइबर क्राइम) अनुसन्धान लेल नव योजना, महिला–बालमैत्री सेवाक सुदृढीकरण, आ इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवासक मातहत रहयबला सामुदायिक पुलिस चौकीक संचालन केँ और प्रभावकारी बनाबैक विषय प्राथमिकतामे अछि। ओहि तरहें नगरपालिका आ पुलिसबीच सहकार्य केँ आर सबल बनाबैक लक्ष्य सेहो राखल गेल अछि। विद्यालय स्तरपर कानूनी शिक्षा आ अपराधबारे सचेतना फैलाबैक, महिलाक आत्मरक्षा प्रशिक्षण दिएक, आ स्थानीय तहमे शान्ति सुरक्षा समितिक प्रभावकारी संचालन जेकाँ योजनासँ भविष्यमे अपराध नियन्त्रणमे सहयोग भेटैबाक अपेक्षा अछि।

बर्दिवास नगर अपराधक दृष्टिसँ संवेदनशील क्षेत्र रहलाक कारण पुलिसक सक्रियता आ समुदायसँ साझेदारीसँ अपराध नियन्त्रणमे उल्लेखनीय प्रगति हासिल भेल अछि। एकरा और प्रभावकारी बनाबै लेल किछु चुनौती रहलातहुँ, आधुनिक प्रविधि, पर्याप्त स्रोत–साधन, आ स्थानीय तहसँ सहकार्य केँ प्राथमिकतामे राखिक आगाँ बढ़ल जाए तँ बर्दिवास केँ सुरक्षित, शान्त आ व्यवस्थित नगरक रूपमे स्थापित कएल जा सकैछ।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।