प्रदेश अधिवेशनेमे रास्वपामे विवाद

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काठमाडौँ

राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क पहिल प्रदेश अधिवेशन प्रक्रिया सुरु होइतेही पार्टी भितरक आन्तरिक असन्तुष्टि सार्वजनिक रूपमे देखल जा रहल अछि। नेतृत्व चयनक विषयमे सहमति नहि जुटला सँ किछु प्रदेशमे अधिवेशन प्रभावित भेल अछि तँ किछु स्थानमे नेतृत्व चयनक बादो विवाद कायम अछि।

कोसी प्रदेशमे सभापति पदक लेल भेल प्रतिस्पर्धामे चन्द्र राई निर्वाचित भेल छथि मुदा ओकर बाद विवाद उत्पन्न भेल अछि। सभापतिमे पराजित भेल निवर्तमान कार्यवाहक सभापति गोमा तामाङ (सरिन) केन्द्रीय नेतृत्व निर्वाचन प्रक्रियामे प्रभाव पारबकलेल नतिजा प्रभावित केने अछि कहिक आरोप लगाने छथि। ओ अपन विरुद्ध उपरका तह सँ दबाब आ निर्देशन प्रयोग कएल गेल दाबी करैत पार्टी छोडबाक घोषणा केने छथि।

तामाङ पक्ष किछु केन्द्रीय पदाधिकारी आ सांसदसभ निश्चित उम्मेदवारक पक्षमे खुल्लमखुल्ला लागल छथि कहिक आरोप लगौने अछि। पार्टी नेतृत्व प्यानल बनाक निर्वाचनमे सहभागी नहि होमय लेल निर्देशन देलनि तँ ओकर बादो कोसी प्रदेशमे समूहगत प्रतिस्पर्धा भेल बात बुझल गेल अछि।

ओम्हर बाग्मती प्रदेशमे मतदाता नामावली आ समायोजन प्रक्रियाकेँ लऽ कऽ विवाद उत्पन्न भेला बाद अधिवेशन तत्काल लेल रोकल गेल अछि। अहीना मधेस प्रदेशमे अधिकांश जिल्लाक अधिवेशन नै सम्पन्न भऽ सकला कारण प्रदेश अधिवेशन अनिश्चितकाल के लेल स्थगित कएल गेल अछि।

रास्वपा आगामी असार ७ सँ ९ गते धरि पहिल राष्ट्रिय महाधिवेशन आयोजन करबाक तयारी कऽ रहल अछि, तखन प्रदेश स्तरमे देखल गेल विवाद आ असन्तुष्टि पार्टी नेतृत्वकेँ थप चुनौती थपेने अछि कहिक राजनीतिक वृत्तमे चर्चा भऽ रहल अछि। प्रदेश अधिवेशनक क्रममे देखल गेल गुटगत ध्रुवीकरण महाधिवेशनक वातावरणसमेत प्रभावित भऽ सकैत अछि कहिक विश्लेषण कएल जा रहल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।