धार्मिक आस्थाक धरोहर पञ्चधुरा माईस्थान मन्दिरमे पिएवलापानीक लेल डिप बोरिङ जड़ान

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

धार्मिक आस्था आ पर्यटनक संभावना सँ ओतप्रोत पञ्चधुरा माईस्थान मन्दिर परिसरकेँ आरो व्यवस्थित आ सुविधायुक्त बनाबैक लेल शनिवारक दिन सँ नव पहल आरम्भ भेल अछि। बर्दिवास नगरपालिका–४ स्थित ई पवित्र धार्मिक स्थलमे पिएवलापानीक लेल डिप बोरिङ जड़ान कार्य औपचारिक रूप सँ थालनि कएल गेल अछि।

बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री आ नगर पर्यटन, संस्कृति तथा पूर्वाधार विकास समितिक अध्यक्ष हिरालाल गौतम संयुक्त रूप सँ उद्घाटन करैत डिप बोरिङ कार्यकेँ शुभारम्भ कएलनि।

स्थानीय विश्वास अनुसार पञ्चधुरा माईस्थान मन्दिरमे पूजा–आराधना करबाक संगे भक्तजनक मनोकामना पूरा होइत अछि। वर्षौ सँ ई स्थानकेँ केवल स्थानीय मात्रेनई, वरिपरि जिलासभ सँ सेहो भक्तजन विशेष महत्व दैत आबि रहल छथि। एतय मेला, पर्व आ धार्मिक अनुष्ठानक अवसरमे मात्र नई, विवाह, ब्रतबन्ध आ जन्मदिनक अवसरपर सेहो हजारौं श्रद्धालु मन्दिर दर्शन करबाक लेल भीड़ लगबैत छथि।

मुदा, एहन आस्थाक केन्द्रमे भक्तजनक लेल पानीक सुविधा सहज नहि रहबाक कारणेँ असुविधा होइत रहल छल। एहि आवश्यकताकेँ बुझैत नगरपालिकाक बजेट सँ डिप बोरिङ जड़ान मार्फत पिएवलापानीके लेल बोरीङ निर्माण करबाक निर्णय लेल गेल अछि।

उद्घाटन समारोहमे नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि—
“पञ्चधुरा माईस्थान हमर धार्मिक, सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक सम्पत्ति अछि। एतय अबैबला भक्तजनक लेल सहज पानी सुविधा उपलब्ध कराबैक लेल ई पहल कएल गेल अछि। एहि संगे मन्दिर क्षेत्रकेँ पर्यटनक आकर्षणक रूपमे विकास करबाक हमर दीर्घकालीन योजना सेहो अछि।”

ओहि क्रममे नगर पर्यटन, संस्कृति तथा पूर्वाधार विकास समितिक अध्यक्ष हिरालाल गौतम मन्दिर क्षेत्रमे होइबला विकास योजनाक बारेमे जानकारी दैत कहलनि—
“ई मन्दिर क्षेत्र केवल धार्मिक स्थल नई अछि, ई पर्यटनक संभावना सँ भरल धरोहर अछि। डिप बोरिङ एतयक आधारभूत आवश्यकता पूरा करत, आ आगामि दिनमे अन्य पूर्वाधार विकासक माध्यम सँ एहि स्थलकेँ आरो व्यवस्थित बनाओल जायत।”

मन्दिर क्षेत्रमे पिएवलापानीके बोरीङ निर्माण होएबाक खबर सुनिकेँ स्थानीयवासी उत्साहित भऽ गेल छथि। हुनका अनुसार, पानीक सहज पहुँच भऽ गेलापर भक्तजनक सुविधा होयत आ पर्यटन प्रवद्र्धनमे मदत भेटत। एक गोट स्थानीय धर्मावलंबी महिला कहलनि—
“पञ्चधुरा हमर आस्थाक केन्द्र अछि। एतय आबैबला श्रद्धालुक लेल पानी उपलब्ध भऽ गेलापर हुनकर कठिनाइ दूर होयत। नगरपालिकाक ई कार्य सचमुच प्रशंसनीय अछि।”

डिप बोरिङ जड़ान सँ केवल पानी आपूर्ति नई, मन्दिर क्षेत्रकेँ आरो व्यवस्थित करबाकमे मदत भेटत ई अपेक्षा कएल जा रहल अछि। एहि संगे पार्क, बत्ती, सरसफाइ, पोखरिक सौन्दर्यकरण आ अन्य पूर्वाधार सुधारक कार्य सेहो भऽ रहल अछि, जेकर कारण पञ्चधुरा माईस्थान मन्दिर भविष्यमे धार्मिक पर्यटनक महत्वपूर्ण गन्तव्य बईन सकैत अछि, एहन धारणा स्थानीयसभक अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...